पटना। पटना मे गंगा क डेल्टा पर तैयार भ रहल अछि पार्क आ फूड प्लाजा। संगहि एहि ठाम बोटिंग आ अन्य जलक्रीड़ा क मजा सेहो भेटत। पर्यटन विभाग गंगा नदी मे सैर करेबाक संग-संग गांधीघाट क सामने डेल्टा पर पर्यटक क कए आकर्षित करबा लेल विशेष व्यवस्था करि रहल अछि। 26 जनवरीक बाद इ सुविधा लोक कए उपलब्ध भ जाएत। जिलाधिकारी विभाग कए अनापत्ति प्रमाणपत्र द चुकल छथि। डेल्टा कए अस्थायी पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित करबाक एहि योजना कए पूरा करबा मे पर्यटन विभाग जोर शोर स जुटल अछि। पर्यटन विभाग काली घाट क सामने क डेल्टा पर अस्थायी रूप स फूड प्लाजा, चिल्ड्रेन पार्क आ बोटिंग क विशेष व्यवस्था करि रहल अछि। एहि मे गंगा नदी क स्वच्छता क विशेष ख्याल राखल जा रहल अछि, संगहि एकरा इको फ्रेंडली बनाउल जा रहल अछि। एहि योजना क व्यवस्था बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क जिम्मा मे अछि। पर्यटन निदेशक विनय कुमार क दावा अछि जे इ विश्वस्तरीय पर्यटन क्षेत्र बनत। संगहि बिहारक लोक कए एकटा नव तरहक पर्यटन स्थल भेटत। ओ कहला जे सूर्यास्त भेला पर एहि पार्क कए बंद करि देल जाएत।