सर्वे क काज पूरा भेल, बुद्ध सर्किट कए फायदा
वाराणसी स बाल्मिकी नगर आ बाल्मिकी नगर स कोलकाता
डेढ़-दू मीटर जलस्तर रहलाह पर भ सकत संचालन
उज्जवल कुमार
पटना : कोलकाता स वाराणसी वाया गंगा क तर्ज पर आब गंडक बेसिन मे क्रूज चलेबाक योजना अछि। एकरा लेल पहिल चरणक सर्वे भ चुकल। पर्यटन विभागक अधिकारी क कहब अछि जे एकरा लेल पांडव क्रूज समत इन लैंड वाटर ऑथोरिटी सेहो अपन स्तर स सर्वे करबा रहल अछि। हालांकि एकरा लेल एखन कोनो समय सीमा तय नहि कैल गेल अछि। सर्वे मे कहल गेल अछि जे यदि गंडकक जलस्तर डेढ़-दू मीटर तक रहत, त क्रूज क परिचालन भ सकैत अछि।
बुद्धिस्ट सर्किट कए रखल जाइत फोकस मे
गंडक बेसिन क चयन एहि लेल कैल जा रहल अछि किया कि अधिकतर बुद्धिस्ट सर्किट एहि बेसिन मे अछि। लॉरियागढ़, नंदनगढ़ आ बाल्मिकीनगर एहि मे मुख्य स्थान अछि। एकर रूट अप स्ट्रीम मे वाराणसी स बाल्मिकी नगर आ डाऊन स्ट्रीम मे बाल्मिकी नगर स कोलकाता हायत। वाराणसी स बाल्मिकी नगर क दूरी करीब 600 किलोमीटर आ बाल्मिकी नगर स कोलकाता क दूरी 800 किलोमीटर अछि। वाराणसी स 10 दिन क आ बाल्मिकी नगर स 12 दिन मे कोलकाता क यात्रा होइत।
विकसित होयत पर्यटनक क नव क्षेत्र
अगर गंडक बेसिन मे इ प्रोजेक्ट सफल भ गेल, त एकटा नव पर्यटनक क्षेत्र विकसित भ जाइत। एखन धरि गंडक क एहि पर्यटन स्थल पर रोडवेज क जरिए पर्यटक पहुंच सकैत छथि। पांडव क्रूज प्राइवेट लिमिटेड सेहो लगातार एहि प्रयास मे लगल अछि जे एहि नव रूट कए पर्यटन क्षेत्र क रूप मे विकसित कैल जा सके। एहि मार्ग मे पर्यटकक आवाजाही बढ़ेबा लेल गंगैटिक डॉल्फिन कए सेहो गंडक मे छोड़बाक योजना अछि।