• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गति पकडि रहल अछि मुजफ्फरपुर क औद्योगिक विकास

July 14, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

मुजफ्फरपुर । मुजफ्फरपुर धीरे धीरे बिहारक आर्थिक राजधानी क रूप मे उभरि रहल अछि। यूबी ग्रुप सन उद्योग समूह जतए एहि ठाम अपन संयंत्र लगेबा लेल तैयार अछि ओतहि शहर क माहौल बदलबा लेल दू दू टा मॉलक निर्माण तेजी स भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे अखन मुजफ्फरपुर मे कुल 44 टा योजनाक स्वीकृति बिहार सरकार स भेटल अछि, जखन कि कईटा प्रस्‍ताव पर चर्चा भ रहल अछि।  जाहि प्रस्‍ताव कए मंजूरी भेट चुकल अछि ओहि पर जमीनी काज सेहो क्रमश: चालू अछि। जाहि पर काज शुरू हेबाक अछि ओहि मे प्रमुख अछि राजश्री सुगर एंड केमिकल लिमिटेड जे 5000टीसीडी क क्षमताक चीनी मील, 60 केएलपीडी क डिस्टिल वाटर आ 30 मेगावाटक बिजली निर्माण सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स बालमुकुन्द लीज़-फिन मुजफ्फरपुर, बरुराजपुर मे 5000टीसीडी क्षमताक चीनी मिल, 60 केएलपीडी क अल्कोहल प्लांट, आ 26 मेगावाटक विधुत सयंत्र खोलत। तहिना वैशाली किसान उद्योग सुगर मिल्स प्राइवेट लिमिटेड मुजफ्फरपुर, पारु मे 5000 टीसीडी क्षमताक चीनी मिल, 72 केएलपीडी क एथोनोल प्लांट आ 26  मेगावाटक बिजली सयंत्र खोलत। एहिना धनुका पेस्टिसाइड लिमिटेड मुजफ्फरपुर हाइवे पर तरकारी आ फलक पैकेजिंग कारखाना खोलत। एहिना मेसर्स आईएल एंड ऍफ़एस एहि ठाम 500 मेगावाटक बिजली निर्माण सयंत्र खोलत। तहिना मेसर्स महर्षि डीएवी एजुकेशन ट्रस्ट एहि ठाम इंजीनियरिंग आ डिप्लोमा कौर्सक महाविद्यालय खोलत। तहिना मेसर्स साही फ़ौंउडेशन दिघरा, मुसहरी, मुजफ्फरपुर मे इंजीनियरिंग कालेज खोलत। मेसर्स जयप्रकाश एसोशियेट मोतीपुर मुजफ्फरपुर मे दस लाख टन क्षमता क सीमेंट फेक्टरी खोलत। मेसर्स फ़ूड पाँच सौ मीटर क शीत सयंत्र खोलत। तहिना प्रोटेक कोल्ड स्टोरेज पारू, मुजफ्फरपुर मे 10000 एमटी/वर्ष क क्षमता क कोल्ड स्टोरेज खोलत। एहिना मेसर्स डीके एग्रो प्रोडक्शन तुर्की मुजफ्फरपुर मे साठ लाख लीटर/वर्ष क क्षमता क दूध प्रसंस्करण संयंत्र खोलत। मेसर्स जेवियर स्कूल बेला मे बारहवी तक क कन्या विद्यालय खोलत। एस्टोनफिल्ड रिनुएब्ल रिसोर्स मुजफ्फरपुर मे तीन सौ मेगावाट क सौर उर्जा सयंत्र खोलत। बालमुकुन्द सीमेंट एंड रुफिंग लिमिटेड काँटी, मुजफ्फरपुर मे 1.5 लाख एमटी क्षमता के फाइबर आ एस्बेस्टस सीट क कारखाना खोलि चुकल अछि। मेसर्स श्याम एग्रो फ़ूड एंड एक्सपोर्ट बेला मे 650 एमटी क्षमता क अत्याधुनिक फल आ तरकारी प्रसंस्करण सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स एब्कस होल्डिंग 05 मेगावाट सौर फोटोवोल्टिक पावर प्रोजेक्ट खोलत।  मेसर्स राज एग्रोकम पॉवर प्रोजेक्ट 45000 एमटी/वर्ष क्षमता क पोल्ट्री आओर मवेशी क आहार क इकाई मुजफ्फरपुर क बोचन मे खोलत। मेसर्स जीसी फ़ूड प्राइवेट लिमिटेड बेला मुजफ्फरपुर मे पफ्फ़ आ फ्रायड सनेक्स क यूनिट खोलत। तहिना मेसर्स लीला आनंद फर्टीलाइज़र एंड केमिकल तुर्की, मुजफ्फरपुर मे 60000 एमटी/वर्ष क्षमता क एन.पी.के फर्टीलाइज़र यूनिट खोलत। मेसर्स श्याम कुटीर उद्योग बेला मे 480 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला आ बेसन निर्माण सयंत्र खोलत। तहिना पशुपति रोलर फ्लोर मिल बेला मे 100 एमटी/वर्ष क्षमता क आटा मील खोलत। मेसर्स विश्वनाथ एग्रो फ़ूड लिमिटेड 60 एमटी/दिन क्षमता क मकई मील खोलत। मेसर्स लावण्या फिनवेस्ट 36000 एमटी/वर्ष क्षमता क पाले-जी आ पारले नमकीन बिस्कुट क निर्माण सयंत्र खोलत। मेसर्स हिमालयन वेजीफ्रूट 2000 एमटी/वर्ष क्षमता क फल प्रसंस्करण सयंत्र खोलत। मेसर्स केजी एक्वा इंडस्ट्रीज 120 लाख लीटर/वर्ष क क्षमता क बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स पारस एग्रो 54000 एमटी/वर्ष क्षमता क मखाना प्रसंकरण सयंत्र खोलत। तहिना ओरिएंटल क्राफ्ट मेनुफेक्चर कंपनी बेला मे 40000 एमटी/वर्ष क्षमता क मक्का आधारित मवेशी आहार आ पोल्ट्री आहार क सयंत्र खोलत। मेसर्स अनमोल फीड 36000 से 81000 एमटी/वर्ष क क्षमता क मवेशी आ पोल्ट्री आहार संयंत्र खोलत।  धरती एग्रो फ़ूड प्रोडक्शन 24 एमटी/दिन क्षमता क आटा मील बेला मुजफ्फरपुर मे खोलत। मेसर्स एसएसके इंटरप्राइजेज अन्दिगोला मुजफ्फरपुर मे बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। मेसर्स प्रिन्स मसाला कंपनी 450 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला निर्माण क कारखाना खोलत। मेसर्स बिहार स्पाइस एंड फ़ूड 40 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला निर्माण आ पैकेजिंग निर्माण क कारखाना खोलत। मेसर्स एरोमा फीड 12000 एमटी/वर्ष क्षमता क मवेशी आहार संयंत्र खोलत। मिष्टी राज फ़ूड 2600 किलोलीटर प्रति वर्ष क्षमता क बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। एग्रो इंडस्ट्रीज 5522 एमटी/वर्ष क्षमता क पोल्ट्री फीड क कारखाना खोलत। गंगोत्री होली प्रोडक्ट 72 हज़ार प्रतिवर्ष क्षमता क मवेशी आहार सयंत्र खोलत। शिरडी फीड 1650 एमटी/वर्ष क्षमता क सुगर कैंडी आ एकर पैकेजिंग यूनिट खोलत। तहिना ख़ुशी पोलिपेक 672 एमटी/वर्ष क्षमता क डिस्पोजिबल ग्लास आ प्यालाक संयंत्र खोलत। सुपरमेक्स फ़ूड 2.34 एमटी/वर्ष क्षमता क फल आ तरकारी प्रसंकरण संयंत्र खोलत। विष्णु लघु उद्योग 1.80 एमटी प्रति वर्ष क्षमता क मसाला उद्योग आ 1.5 एमटी/वर्षक क्षमताक बेसन उद्योग खोलत।  सबस बड़का गप ई जे मुजफ्फरपुर उत्‍तर बिहारक पहिल शहर अछि जतए दू-दूटा मॉल बनि रहल अछि। ज्ञात हुए जे बिहार क पहिल मॉल पटना मे बनल अछि जे अखन बिहार क एकमात्र मॉल अछि। पटना मे दूटा आओर मॉल तैयार भ रहल अछि जे अगिला साल तक पूरा भ जाएत। मुदा मुजफ्फरपुर क विकास कए देखैत ई कहल जा सकैत अछि जे ई बिहार क आर्थिक राजधानी बनबा लेल तैयार अछि।

Tags: बिहार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

अमेरिकी तर्ज पर होएत ग्रामीण विद्युतीकरण

Esamaad Epaper Website

मधेपुरा रेल इंजन कारखाना क नहि खुलल टेंडर, परियोजना अधर मे!

गामक जिनगी, कथा संग्रह लेल जगदीश प्रसाद मण्डल कए समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि