पटना । बिहार क समृद्ध ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक विरासत स लोक कए देखेबा लेल कोनो कसर नहि छोड़ल जा रहल अछि। बिहार दिवस पर गांधी मैदान मे बिहार देखाएत। अपन अस्मिता कए सम्हारने बदलैत बिहार, नव ऊर्जा स आगू बढै़त बिहार, नारी शक्ति क पूजा आ पहचान करैनिहार बिहार। बिहार दिवस पर मुख्य समारोह क लेल भव्य रूप मे सजिधजि रहल गांधी मैदान क पूरा लुक बिहारी भ रहल अछि। मुख्य प्रवेश द्वार स लकए पंडाल तक क लुक बिहारी संस्कृति पर आधारित रहत। 8 लाख वर्गफीट भूखंड पर मुख्य समारोह क तैयारी कैल जा रहल अछि, मुदा गांधी मैदान क शेष भाग सेहो खूबसूरत नजारा क गवाह बनत। 22 मार्च स शुरू भ रहल तीन दिवसीय समारोह क मंच, पंडाल-हॉल, स्टाल कए बहुत आकर्षक ढंग स बनाउल जा रहल अछि। एहि मे सर्वधर्म आओर सामाजिक-सांस्कृतिक समरता आ एकता क संदेश सेहो होएत। निर्माण कार्य 18 मार्च तक पूरा करि लेल जाएत। समारोह स्थल कए एकटा सर्किल क रूप मे डिजाइन कैल जा रहल अछि। समारोह स्थल क बीच मे राउंड सड़क होएत। ओकर दूनू दिस आकर्षक लाइट आ जगह-जगह पर सांस्कृतिक विरासत स जुडल कलाकृति होएत। राउंड सड़क क चारू दिस कार्यक्रम होएत। मंच आ पंडाल-हॉल कए सेहो सर्किल आकार देल जा रहल अछि। दूटा मुख्य मंच, दूटा खुलल मंच आ दूटा हॉल बनि रहल अछि। खास गप इ अछि जे समारोह स्थल क लग मे एकटा छोट सन पोखरि मे 99टा दीया हेलैत रहत, जे बिहार क स्थापना क 99 वर्ष पूरा हेबाक प्रतीक क रूप मे देखाइत रहत। कार्यक्रम स्थल पर बिहार क एकटा वृहद मानचित्र सेहो भेटत। बिहार दिवस पर आयोजित समारोह मे आएल पाहुन कए नारी सशक्तीकरण क झांकी सेहो देखबा मे भेटत। हाल क वर्ष मे महिला सशक्तीकरण आ नारी शिक्षा कए बढेबा आ प्रोत्साहन देबा लेल जेतबा प्रयास भेल अछि, ओहि सबहक झलक सेहो देखबा मे भेटत। विशेष रूप स बिहार क आगू बढै़त बेटी क तस्वीर आओर ओकर उपलब्धि कए सेहो दर्शाउल जाएत। एहि स जुड़ल कलाकृति आ प्रदर्शनी दर्शक क लेल आकर्षण क केंद्र होएत। कला दीर्घा मे मिथिला पेंटिग समेत अन्य चित्रकला कए देखाउल जाएत। समारोह स्थल पर मशहूर बिहारी व्यंजन क स्टाल कए सेहो आकर्षक ढंग स सजाउल जा रहल अछि, जतए पाहुनक आनंद क लेल सब जिला क प्रसिद्ध व्यंजन कए परोसल जाएत।