पटना । गांधी सेतु कए नव जिनगी देबाक प्रयास मे जुटल पथ निर्माण विभाग कए बुधदिन एकटा पैघ सफलता भेटल। मिनिस्ट्री आफ रोड ट्रांसपोर्ट एंड हाइवे (एमओआरटीएच) गांधी सेतु क मरम्मत क लेल 162 करोड़ टका देबाक प्रस्ताव कए मानि लेलक अछि। पिछला दू दिन स एहि पर गपशप भ रहल छल। पथ निर्माण विभाग स भेट रहल जानकारी क अनुसार एमओआरटीएच क डीजी आरपी इंदौरिया पथ निर्माण विभाग द्वारा डुमरी पुल क जीर्णाेद्धार क लेल 35 करोड़ क प्रस्ताव सेहो मंजूर करि लेलथि अछि। मुदा एकरा लेल एकटा पेंच एखनो फंसल अछि। मंजूरी भेटलाक बाद आब निविदा क प्रक्रिया क लंबा दौर चलत। मुदा एतबा जरूर जे टीओआर क बाद एहि दूनू महत्वपूर्ण पुल क मरम्मत क काम आरंभ भ सकत। पथ निर्माण विभाग पुल क्षेत्र क एक्सपर्ट रैना क राय क संग पूर मरम्मतक योजना क प्रारूप एमओआरटीएच क लग मे पठेने छल। टुकड़ा-टुकड़ा मे काज भेला स एक बेर मे मरम्मत करेला स पुल बेसी निक तरह स ठीक हेबाक परामर्श देल गेल छल। विशेषज्ञ क रिपोर्ट क आधार पर 162 करोड़ गांधी सेतु क मरम्मत पर खर्च हेबाक अछि। ओतहि कोसी क लाइफ लाइन डुमरी पुल क मरम्मत पर 35 करोड़ खर्च हेबाक अछि। पथ निर्माण विभाग हाल मे डुमरी पुल क क्षतिग्रस्त स्पैन क निरीक्षण आईआईटी रुड़की क विशेषज्ञ स करबेने छल। रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे एहि पुल क क्षतिग्रस्त हिस्सा क जगह पर पटना क चिरैयाटांड़ पुल जेकां केबल वाला पुल बनाउल जाए। तकनीकी तौर पर एमओआरटीएच इ प्रस्ताव मानि लेलक अछि।