• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

घुमंतू रेस्तरां तैयार, मुख्यमंत्री करताह उद्घाटन

July 15, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


पटना। देश क पांचम आ ईस्टर्न इंडिया क पहिल सबस बेसी क्षमता वाला घुमंतू रेस्तरां (बिस्कोमान टावर) क उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अगस्तक पहिल सप्ताह मे करताह। इ जानकारी सहकारिता विभाग क प्रधान सचिव अमिताभ वर्मा घुमंतू रेस्तरां क निरीक्षण क क्रम मे देलथि। रेस्टोरेंट 18म तल्ला पर अछि। एकर ऊंचाई करीब 210 फीट अछि। एहि रेस्टरां स गांधी मैदान एकटा छोट सन पार्क नजरि अबैज अछि। ओ रेस्तरां क सजावट कए सेहो सराहलाह। ओ एकरा लेल बिस्कोमान अध्यक्ष कए धन्यवाद सेहो देलाह। वर्मा कहला जे घुमंतू रेस्तरां मे 140 गोटेक बैसबाक व्यवस्था कैल गेल अछि। एकर खासियत इ अछि जे इ एक एचपी क मोटर पर चलि रहल अछि। जाहि स इ 60 मिनट मे एक चक्कर पूरा करैत अछि। गंगा क दृश्य सेहो एहि ठाम स देखल जा सकैत अछि। वर्मा कहलथि जे मुंबई मे दू आ जयपुर आ अहमदाबाद मे एक एकटा एहने घुमंतू रेस्टोरेंट अछि। प्रधान सचिव 17म तल पर 60 गोट लेल एक संग बैसबा योग्य बार क निरीक्षण सेहो केलथि। ओ बार लेल लाइसेंस भेटबाक मे आबि रहल व्यावधान कए दूर करबाक भरोस दियौलथि। रसोई 17म तल पर अछि। एहि ठाम स तैयार सामाग्री लिफ्ट स घुमंतू रेस्तरां मे स्वचालित प्रणाली द्वारा जाएत। 16म तल पर एकटा सभागार आ खुलल गार्डेन बनाउल गेल अछि। जतय 300 गोटे लेल कार्यक्रम आयेाजित कैल जा सकैत अछि। एकरा विवाह अथवा पार्टी जइसन आयोजन क लेल बुक कैल जा सकैत अछि। निरीक्षण क क्रम मे प्रधानसचिव बिकोमान क कार्य क खूब तरीफ केलथि। 1988 मे बिस्कोमान प्रबंध समिति भंग भेलाक बाद एकर स्थिति दयनीय भ गेल छल। एहि अवसर पर बिस्कोमान अध्यक्ष सुनील कुमार सिंह कहला जे घुमंतू रेस्तरां बिहार कए सौगात क रूप मे भेट रहल अछि। ओ कहला जे शाकाहारी, मांसाहारी भोजन, नाश्ता, काफी सहित विभिन्न तरह क व्यंजन एहि ठाम उचित दाम पर भेटत। दाम एहन राहल गेल अछि जे आम आदमी सेहो घुमंतू रेस्तरां मे आबि कए नास्ता आ भोजन करि सकत।

Tags: Biharpatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

आरा आ छपरा क बीच सबस महग पुल क शिलान्यास

Esamaad Epaper Website

नीतीश क खि़लाफ़ सीबीआई जांच क आदेश

बाढ़ स दू-दू हाथ करैत वैदेही

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि