पटना। चंदा एकत्रित करि पहिने गाम मे मंदिर, मस्जिद या धर्मशाला बनैत छल, एखनो बनैत अछि, मुदा आब एकटा आओर प्रथा शुरू भेल अछि। मुजफ्फरपुर जिला क सकरा थाना क्षेत्र मे बरियारपुर गाम मे ग्रामीण चंदा एकत्रित करि पुलिस चौकी क भवन क निर्माण करा देलक अछि। एहि ठाम पहिने पुलिस चौकी एकटा झोपड़ी मे छल। गामक लोक कए इ नीक नहि लागल आ ओ चंदा एकत्रित करि पुलिस चौकी क भवन क निर्माण करबाक फैसला लेलक। आब एहि ठाम दू मंजिला भवन बनि कए तैयार भ गेल अछि। भवन निर्माण मे लगभग तीन लाख टका खर्च भेल अछि। बरियारपुर ग्राम पंचायत क सरपंच धनेश कुमार क अनुसार, ‘भवन मे प्रथम तल पर एकटा पैघ-सन हॉलनुमा कोठली अछि, जखनकि दोसर तल पर दू टा पैघ-पैघ कोठली अछि। Ó बरियारपुर पुलिस चौकी क प्रभारी भोला कुमार सिंह क कहब अछि, ‘चौकी मे फिलहाल 20 सशस्त्र जवान अछि, जाहि मे तीनटा पुलिस अधिकारी छथि। ग्रामीण क सहयोग स बनल एहि भवन मे आब पुलिसकर्मी कए जतय रहबा क सुविधा भेट गेल ओतहि पुलिसक कामकाज मे मौसम व्यवधान नहि द सकत।Ó