• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चंदा स बनत इंजीनियरिंग कॉलेज

January 25, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

अरियांव (बक्सर)। कोनो पैघ सपना कए साकार करबा लेल ग्रामीण आ किसान एकजुट हुए त देश क केहन तरक्की होएत, एकर बानगी बक्सर जिला क अरियांव गांव मे देखबा मे आबि रहल अछि। एहि ठामक ग्रामीण गाम मे इंजीनियरिंग कॉलेज बनेबा लेल संकल्प लेलथि अछि। एकरा लेल न सिर्फ गामक लोक अपन बेशकीमती बीस एकड़ जमीन दान मे द देलथि अछि, बल्कि चंदा क रूप मे राशि जमा करि कॉलेज लेल भवन क तक निर्माण करा रहल छथि। विद्यादान सोसाइटी क अंतर्गत बनि रहल तकनीकी आ प्रबंधन संस्थान कए राज्य सरकार स अनापत्ति प्रमाणपत्र आ अखिल भारतीय तकनीकी शिक्षा परिषद स मंजूरी भेटि चुकल अछि। एहि वर्ष अगस्त स एहि ठाम चारि ट्रेडो मे शिक्षण कार्य प्रारंभ हेबाकसंभावना अछि। जिला मुख्यालय स तीस किलोमीटर दूर डुमरांव अनुमंडल अंतर्गत अरियांव समेत आसपास क दर्जनभरि गाम क लोक अपन सपना कए पूरा करबा लेल जर-जमीन आ जन सबस सहयोग करि रहल छथि।
एखनधरि कॉलेज भवन क नींव मे लगल भारी-भरकम रकम आ एनओसी क लेल राज्य सरकार कए पैंतीस लाख टका ग्रामीण चंदा क रकम स द चुकथि अछि। ग्रामीण क कहब अछि जे बाहरी गाम मे एहन निवेश नहि करत आ बाहर गेल गामक लोक गाम मे निवेश करबा स कतरन रहल छथि। एहन मे गामक विकास गामक लोक नहि करत त के करत। पिछला माह निर्माण कार्य मे अचानक टकाक जरूरत आबि गेल, जखन कतहु स टकाक जोगाड़ नहि भेल त किसान चतुर्भुज सिंह अपन किसान विकास पत्र कए बीच मे तुड़बाकए टका देलथि।
सोसाइटी क अध्यक्ष आ रक्षा अनुसंधान विकास संस्थान क पूर्व वैज्ञानिक सूर्य कुमार सिंह कहला जे गामक लोकक सहयोग स इंजीनियरिंग कॉलेज आकार ल रहल अछि। जमीन छोडि़कए करीब ग्यारह करोड़ क एहि प्रोजेक्ट मे एखन धरि लगभग डेढ़ करोड़ क राशि जमा भ चुकल अछि। आब सपना कए धरातल पर उतारबा लेल बैंक सेहो मदद क लेल तैयार अछि। प्रथम चरण मे एआईसीटीई स कंप्यूटर साइंस, इलेक्ट्रानिक एण्ड कम्यूनिकेशन, इन्फारमेशन टेक्नोलाजी आ इलेक्ट्रानिक एंड इलेक्ट्रिक ट्रेड मे 60-60 सीट क अनुमति भेटल अछि। एकेडमिक आ प्रशासनिक भवन अप्रैल तक बनि जाएत
बिहारक विकास कए आंकड़ा और सिद्घांतक तर्क स देखनिहार लोक लेल इ एकटा उदाहरण मात्र अछि। एहि ठामक ग्रामीण सिद्ध करि देलथि जे कौटिल्य क देश मे अर्थशास्त्र क नव परिभाषा बनेबाक एखनो क्षमता अछि।

Tags: baxsarBiharbihar. patna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बेंगलुरु क बाद पटना बनि रहल अछि आईटी सेक्टर क पसंदीदा शहर

Esamaad Epaper Website

शाहनवाज आ प्रभात झा कए सौंपल जा सकैत अछि पार्टीक कमान

गणतंत्र क 60 साल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि