पटना। पटना आ दिल्ली क बीच औपचारिकता आ शर्त क कारण अटकल नेशनल हाईवे डेवलपमेंट प्रोजेक्ट (एनएचडीपी) फेज-3 क चारिटा योजना क मामला आब बाट पर आबि गेल अछि। एहि परियोजना मे सबस नव मामला पटना-बख्तियारपुर क बीच चारि लेन सड़क निर्माण क अछि। एहि बहुप्रतीक्षित परियोजना क लेल नेशनल हाईवे अथारिटी ऑफ इंडिया (एनएचएआई) निविदा कए अंतिम रूप द देलक अछि। लगभग 38 किमी क नव एलायनमेंट पर बनइवाला एहि सड़क क लेल निर्माण कंपनी क नाम तय करि देल गेल अछि। जानकारी क अनुसार बिल्ट आपरेट एंड ट्रांसफर (बीओटी) सिस्टम क आधार पर बनेवाला एहि फोर लेन सड़क क निर्माण क जिम्मा सीएंडसी कए देल गेल अछि। एकरा लेल एखनधरि दू बेर टेंडर भ चुकल छल। जेना कि इसमाद अहां कए पहिने बता चुकल अछि जे पटना मे अनिसाबाद स बख्तियारपुर तक बनेवाला एहि फोर लेन सड़क क पैघ हिस्सा नव एलायनमेंट क तहत बनत। लगभग 50 किमी क एहि सड़क मे 38 किमी हिस्सा नव एलायनमेंट क तहत बनत। एलायनमेंट कए मंजूरी भेट चुकल अछि। सबलपुर स इ सड़क वर्तमान सड़क स दक्षिण भ जाइत। एकरा लेल पैघ स्तर पर जमीन अधिग्रहण क जरूरत अछि। केंद्रीय कैबिनेट एहि सड़क क निर्माण मे खर्च होइवाला राशि कए मंजूरी प्रदान करि देलक अछि। अगिला ढाई साल क अंदर एहि सड़क क निर्माण कार्य कए पूरा करबाक लक्ष्य निर्धारित केल गेल अछि। सिंगापुर क एकटा कंपनी एहि सड़क क लेल नव एलायनमेंट कए लेल सर्वे क काज केने छल। एहि सड़क क इस्तेमाल पटना क बाइपास क रूप मे होइत अछि। योजना मे देरी कए देखैत एहि साल ओना राज्यक पथ निर्माण विभाग अपन राशि स अनिसाबाद स लकए दीदारगंज तक एहि सड़क कए फोर लेन मे तब्दील करबाक काज शुरू करि देने छल मुदा एनएचआई क हस्तक्षेप बाद बीच मे काज बंद भ गेल छल। आब फेर स एहि सड़क क फोर लेनिंग क काज आरंभ होएत। अनिसाबाद स दीदारगंज तक एहि सड़क क फोरलेनिंग मे जमीन अधिग्रहण क आवश्यकता नहि अछि। हाजीपुर-मुजफ्फरपुर सड़क क फोरलेनिंग सेहो एनएचडीपी फेज-3 क हिस्सा अछि। कई बेर निविदा आओर निर्णय मे नीतिगत बदलाव क बाद एहि सड़क क निर्माण क जिम्मा पिछला साल भारतक विवादित कंपनी गैमन इंडिया कए देल गेल छल। एहन संभावना अछि जे नव वित्तीय वर्ष क आरंभ भेला स पहिने एहि स्ट्रेच मे फोर लेनिंग क काज आरंभ भ जाए। हाजीपुर-छपरा फोरलेनिंग क लेल सेहो निविदा कए अंतिम रूप द देल गेल अछि। मुंगेर आओर जमालपुर सड़क क लेल सेहो निविदा क काज पूरा भ गेल अछि।