• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चारि गोट कंपनीक सीएमडी पटना मे, पैघ निवेशक बाट साफ

April 29, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

चारू पैघ कंपनी राज्‍य मे करत करीब 11,000 करोड़ क निवेश|

पावर प्लांट, सीमेंट आ साइकिल उत्पादन क इकाइयां संग बिहार मे बनत हिरो मोटरसाइकिलक कलपुर्जा|


पटना ।
धीरे धीरे सही मुदा बिहार मे पैघ निवेशक उम्‍मीद आकार ल रहल अछि। सीमेंट, बिजली आ साइकिल निर्माण क्षेत्र मे पैघ कंपनी बिहार दिस विदा भ चुकल अछि। जे समाद हम समय समय तक अहां तक पहुंचेबाक काज करैत रहलहु अछि। इ समादक सूचना कए सत्‍य साबित करैत देश क चारिटा पैघ कंपनीक अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक(सीएमडी) पटना पहुंचलाह अछि। बिहार कए अपन निवेश क लेल उपयुक्‍त बुझलाह आ सरकार स आग्रह केलाह जे बिहार मे हुनका निवेश करबाक मौका देल जाए। एहि मे अभिजीत ग्रुप, हीरो साइकिल्स, एबीजी सीमेंट्स आ श्री सीमेंट्स क मालिक शामिल छथि। राज्‍य मे पावर प्लांट, सीमेंट आ साइकिल उत्पादन क इकाइयां लगेबा लेल इ कंपनी सबहक सीएमडी उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा स विस्तार स गप केलथि।
अभिजीत ग्रुप क सीएमडी अरुण गुप्ता आओर हीरो साइकिल्स क सीएमडी पंकज मुंजाल अलग-अलग चार्टर्ड प्लेन स पटना पहुंचलाह। अरुण गुप्ता मिश्रा स भेंट करि बांका आओर नवादा मे थर्मल इकाइ लगेबाक इच्‍छा प्रकट केलथि । श्री मिश्रा कहला जे अभिजीत ग्रुप बांका मे 570 एकड़ जमीन ल चुकल अछि। सरकार क स्तर स ओकरा नवादा क सिरदल्ला प्रखंड मे जमीन उपलब्ध करेबाक प्रयास भ रहल अछि। एहि कंपनी कए कोल-ब्लाक सेहो भेट चुकल अछि। इ कोल-ब्लाक ओकरा झारखंड मे आवंटित भेल अछि, जतए स अभिजीत ग्रुप जल्द क खनन आरंभ करि देत। दूटा पावर प्लांट क लेल इ कंपनी प्रदेश मे करीब 10,000 करोड़ क निवेश करि रहल अछि। हीरो साइकिल्स कए बिहटा या हाजीपुर मे जमीन देबाक प्रयास विभाग करि रहल अछि। अगिला सप्ताह कंपनी क एकटा टीम जगह क चयन करबा लेल पटना पहुंचत। कंपनी क सीएमडी पंकज मुंजाल कहला जे बीएमडब्लू स हाल मे भेल हुनकर मोटरसाइकिल बनेबाक नव तकनीक क समझौता भेल अछि। अपन नव मोटरसाइकिल क किछु पार्ट्स क निर्माण कंपनी बिहार मे करत।
जहां धरि सीमेंट क गप अछि, त एहि क्षेत्र क दूटा पैघ कंपनी प्रदेश मे निवेश करबा लेल तैयार अछि। श्री सीमेंट्स क सीएमडी श्रीनाथ सबूर आ एबीजी सीमेंट्स क सीएमडी शरद श्रीनाली सेहो मिश्रा स भेंट केलथि अछि। एबीजी सीमेंट्स गया मे उत्पादन क इकाई लगेबा लेल प्रयासरत अछि, किया कि इ छत्तीसगढ़ स कच्चा माल आनत। इ कंपनी जहाज निर्माण क क्षेत्र मे पैघ नाम अछि। श्री सीमेंट्स बाढ़ मे इकाई लगेबा लेल तैयार अछि। इ फ्लाई-ऐश स सीमेंट बनाउत, जे एकरा बाढ़ स्थित एनटीपीसी क प्लांट स उपलब्ध होएत। एहि तीनू कंपनी मे स प्रत्येक 200-250 करोड़ क निवेश करत। एहि प्रकार इ चारू पैघ कंपनी राज्‍य मे करीब 11,000 करोड़ क निवेश करबा लेल तैयार अछि। पैघ गप इ अछि जे इ सबटा सीएमडी पूरा होम-वर्क करि कए पटना आयल छलाह आओर अपन प्रोजेक्ट कए ल कए एतबा गंभीर छलाह जे सरकार हिनकर अधिकतर मांग कए मानि लेलक अछि।

Tags: Biharpatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क अंकुर लिखलथि उपलब्धि की एकटा नव किताब

Esamaad Epaper Website

पटना मे खुलत चीनी अध्‍ययन केंद्र

Esamaad Epaper Website

बिहार कए चाही भूटानक बिजली

Comments 3

  1. Dayakant says:
    14 years ago

    Ahi khus khabri ke lel bahut bahut dhanyabad sanghi ekta ahrah je Patna ke Delhi ke NCR banal ja rahal achhi sabta “Udyog dhandha” Patna aur aas pass tak simit achhi, ki nitish jee ke plan achhi je Sirf PNR (Patna ke aas paas ke elaka) ke vikas kayal jay banki bihar jahina pacchu chhal se rahat. Dhanyabad

    Reply
  2. Dr. Shashidhar says:
    14 years ago

    नीक गप्प ।

    परञ्च, बूझि पड़ैत अछि जेना बिहार सरकारक लेल “बिहार” माने “गंगा केर दक्षिण” प्रदेशहि छन्हि ।

    Reply
    • Anand Kumar Jha says:
      14 years ago

      Chalu, yadi Nitish Jee ke rajya mein etbo hoyat achi ta kum nahi achi, achir rojgarak absar ta prapt hoyat. Laloo Jee ta pura duba dene chalah. Nahi mama se kanha mama.

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि