मुजफ्फ़रपुर/ पटना । छह साल बाट तकलाक बाद आखिरकार शहर कए नव बाट भेटल। मोतीझील फ्लाइ ओवर चालू भ गेल। वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग क माध्यम स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटना स पुल क उद्घाटन केलथि। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क 36 वें स्थापना दिवस पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कुल 289 पुल, तीन पार्क आ कोसी क्षेत्र क 20टा फ्लड शेल्टर्स क उद्घाटन सेहो केलथि। एकर अलावा बेतिया क एकटा सीतामढ़ी क दूटा आ समस्तीपुर क 35टा पुल क मुख्यमंत्री उद्घाटन केलथि। एहि आयोजन एहि मुख्यमंत्री सचिवालय स्थित संवाद कक्ष मे वीडियो कान्फेंसिंग क माध्यम स अंजाम देल गेल। संबंधित अधिकारी कए मुख्यमंत्री हिदायत देलथि जे कोनो हालत मे गुणवत्ता स समझौता नहि हेबाक चाही । नीतीश कहला जे अहांक नाम तखने चिरस्थायी रहत, जखन काज अच्छी क्वालिटी क होएत। मुख्यमंत्री कहला जे ओ एखन धरि एक हजार स बेसी पुल क उद्घाटन करि चुकला अछि। राज्य मे एतबा पुल बनि रहल अछि जे सब ठाम जा कए ओकर उदघाटन करब संभव नहि भ पाबि रहल अछि। एकरा लेल बिहार राज्य पुल निर्माण निगम थोक मे उद्घाटन करा रहल अछि। ओ कहला जे सांकेतिक तौर पर बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क कहानी पढि सुनि कए इ बुझल जा सकैत अछि जे बिहार कतए छल आ कतए पहुंच गेल अछि। ओ कहला जे आब निजी क्षेत्र क कंपनी पीपीपी मॉडल क तहत बिहार मे आधारभूत संरचना क क्षेत्र मे निवेश करि रहल अछि। इ बदलल माहौल क परिचायक अछि।
Bahut neek baat, ehik lel Nitishji badhaai ke patra chhathi. Ehi tarhak aur overbridge sabhak avasyakta Darbhanga aur Jaynagar me seho achhi.