पटना। तमिलनाडु मे बिहार क दूटा छात्र क मौत स चिंतित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छात्र क सुरक्षा क मसला पर तमिलनाडु क मुख्यमंत्री एम करूणानीधि आ केन्द्रीय गृह मंत्री पी चिदम्बरम स गप केलथि अछि। संगहि सरकार दिस स नव कानूनक तहत छात्रक परिजन कए मुआवजा क तौर पर डेढ़ लाख टका सेहो देल गेल अछि।
तमिलनाडु क कडलूर जिला क चिदम्बरम स्थित अन्नामलाई इंजीनियरिंग कॉलेज क छात्र आशीष रंजन क लापता हेबाक सूचना जखने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार तक पहुंचल, ओ तत्काल एहि संबंध मे तमिलनाडु क मुख्यमंत्री आ केन्द्रीय गृहमंत्री स टेलीफोन पर गप करि तमिलनाडु समेत दक्षिण भारत क विभिन्न स्थान पर रहि रहल छात्र क सुरक्षा कए लकए हुनका अपन चिंता स अवगत करौलथि आ एहन घटना कए दुर्भाग्यपूर्ण कहलथि।
कुमार करूणानिधि आ चिदम्बरम स तमिलनाडु मे रहि रहल उत्तर भारतीय विशेष कए बिहार क छात्र क सुरक्षा सुनिश्चित करबाक आ बिहार लौटबाकइच्छुक छात्र कए समुचित सहायता उपलब्ध करेबाक अनुरोध केलथि। ओ बिहार क वरिष्ठ अधिकारी कए एहि संबंध मे पूरा जानकारी एकत्र करि हुनका अवगत करेबाक सेहो निर्देश देलथि अछि।