• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

छात्र नेता बनबा लेल चाही सर्वाधिक प्राप्तांक

May 20, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

छात्र संघ क माध्यम स योग्य नेता तकबा मे जुटल बिहार

दरभंगा । कई टा प्रदेश मे एहन नेता अछि जेकर संबंध में कहल जाइत अछि जे ओ अंगूठा छाप त अछिए संग-संग एकटा पानक दुकान तक चलेबा योग्य नहि अछि, मुदा राज्य क नीति बना रहल अछि। लोकतंत्रक मे नेताक पाठशाला छात्र राजनीति स शुरू होइत अछि आ बिहार छात्र राजनीति स कईटा नीक नेता देश कए देलक अछि। एक बेर फेर बिहार छात्र राजनीति मे नव प्रयोग करबा लेल तैयार अछि। राज्य क विवि आ कॉलेज मे छात्र संघ क गठन क लेल चुनाव क जगह पर मनोनयन करबाक परिनियम कुलाधिपति अनुमोदित केलथि अछि। एकर मुताबिक छात्र संघ क कार्यकारिणी मे सर्वोच्च अंक पौनिहार छात्र कए नामित कैल जाएत। सबस बेसी अंक पौनिहार अध्यक्ष बनाउल जेताह। एहि परिनियम क आलोक मे छात्र संघ क गठन क प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि।
कुलाधिपति स स्वीकृत ट्रांजिटरी परिनियम क प्रावधान क तहत कॉलेज/विवि क सबटा नियमित छात्र संघ क सदस्य हेताह। छात्र स प्रति वर्ष 25 टका नामांकन क समय सदस्यता शुल्क लेल जाएत। कॉलेज मे प्राप्त सदस्यता राशि मे स प्रति छात्र पांच टका विवि छात्र संघ क लेल प्रेषित कैल जाएत। कॉलेज छात्र संघ मे प्रत्येक संकाय स सर्वोच्च अंक प्राप्त करहिार दूटा छात्र क मनोनयन प्रधानाचार्य द्वारा कैल जाएत। एहिमे एकटा छात्रा हेतथि। दूटा खिलाड़ी छात्र क मनोनयन सेहो होएत, जाहिमे एकटा छात्रा क रहब अनिवार्य अछि। एकर संगहि अन्य गतिविधि मे शामिल एकटा छात्रा, एससी/एसटी, बीसी प्रथम आ बीसी द्वितीय कोटी स एक-एक छात्र क मनोनयन सर्वाधिक प्राप्तांक क आधार पर कैल जाएत। एहि मनोनयन मे शामिल छात्र-छात्रा मे सर्वाधिक प्राप्तांक वाला अध्यक्ष आ द्वितीय सर्वाधिक अंक वाला सचिव मनोनीत कैल जाएत। कॉलेज क प्रधानाचार्य हिनकर संरक्षक हेताह।
स्नातकोत्तर विभाग छात्र संघ क संरक्षक छात्र कल्याण अध्यक्ष हेताह, जखन कि कार्यकारिणी क सदस्य क मनोनयन कुलपति द्वारा कैल जाएत। कुलपति प्रत्येक संकाय स सर्वाधिक प्राप्तांक वाला दू-दू टा छात्र क मनोनयन करताह, जाहि मे एकटा छात्रा क रहब जरूरी अछि। एहि प्रकार एससी/एसटी, बीसी एक आ बीसी द्वितीय कोटि स एक-एकटा छात्र क मनोनयन प्राप्तांक क आधार पर कैल जाएत। एहि मे स सबस बेसी अंक अननिहार अंतिम वर्ष क छात्र अध्यक्ष आ प्रथम वर्ष क छात्र सचिव पद पर कुलपति द्वारा मनोनीत कैल जेताह। विवि छात्र संघ मे कॉलेज आ स्नातकोत्तर छात्र संघ क अध्यक्ष आ सचिव सदस्य हेताह। एहिमे सर्वाधिक प्राप्तांक वाला चारिटा छात्र मेधा क्रम मे अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, सचिव आ संयुक्त सचिव कुलपति द्वारा मनोनीत हेताह। अगर छात्रा क प्रतिनिधित्व एहि मनोनयन क दौरान नहि होइत अछि त कुलपति एकटा खिलाड़ी आ एकटा अन्य गतिविधि स जुड़ल छात्रा क मनोनयन विवि छात्र संघ मे करताह। विवि क्षेत्राधीन राजकीय कॉलेज क प्रधानाचार्य क दिस स सेहो सर्वाधिक प्राप्तांक वाला दूटा छात्र क मनोनयन विवि छात्र संघ मे कैल जाएत। एहि मनोनयन क बाद विवि क प्रत्येक संकाय स मेधा क क्रम मे सर्वाधिक अंक वाला दू-दूटा छात्र क मनोनयन कुलपति द्वारा कैल जाएत। कुलपति विवि छात्र संघ क संरक्षक हेताह। प्रावधान क मुताबिक छात्र संघ क गठन एक वर्ष क लेल होएत। परिनियम मे छात्र संघ कोष क उपयोग आ बजट निर्माण आ संचालन संबंधी सेहो प्रावधान कैल गेल अछि। एहि परिनियम क विरोध राजनीति दल स जुड़ल कतिपय छात्र संगठन क दिस स इ कहैत भ रहल अछि जे छात्र संघ क गठन मनोनयन क बदले निर्वाचन स हेबाक चाही। ज्ञात हुए जे न्यायादेश क अनुपालन क क्रम मे कुलाधिपति क दिस स अलग-अलग गठित दूटा कमेटी क अनुशंसा क आलोक मे एहि परिनियम क स्वीकृति देल गेल अछि। दूनू कमेटी मे तीन-तीनटा कुलपति शामिल छलाह। इ परिनियम राजेन्द्र कृषि विवि आ नालंदा खुला विवि कए छोडि़कए अन्य सबा विवि मे प्रभावी अछि। एहन स्थिति मे विवि स्तर पर विरोध बेमानी लागि रहल अछि, ओना ओ छात्र नेता हंगामा करबा मे लागल छथि जे पढ़बा स बेसी ‘नेतागिरि'(तोडफ़ोड़) मे बेसी समय बर्बाद करैत रहलाह अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विवि शिक्षक क सेवानिवृत्त क फैसला पर रोक

Esamaad Epaper Website

भागलपुर सदर समेत कईटा अस्पताल क नाम बदलल

दाग धोबा लेल सब साल 15 लाख खर्च करैत अछि बीपीएससी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि