पटना । पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्र भले जदयू क करीब छथि, मुदा कांग्रेस मे हुनकर हैसियत क अंदाजा एहि आरोप स लगाउल जा सकैत अछि जे हुनकर एक इशारा पर शिप्रा मिश्रक टिकट कटि गेल। जगन्नाथ मिश्र पर किछु एहने आरोप 35 साल पहिने सेहो लागल छल। ललित नारायण मिश्रक हत्या क बाद हुनकर कनिया कए चुनाव हरेबा मे मुख्य भूमिका निभेबाक जगन्नाथ मिश्र पर आरोप लगैत रहल अछि। अपन भाउज कए राजनीति स दूर करबाक बाद आब जगन्नाथ मिश्र अपन पुतहु कए चुनाव लडबा स रोकी रहल छथि। शिप्रा जगन्नाथ मिश्रक बडकी पुतहु छथि। ओ छातापुर क लेल कांग्रेस क पैनल मे छलीह। कांग्रेस आलाकमान कए सहो हुनकर नाम पर कोनो आपत्ति नहि छल, पर आखिरी वक्त मे डा. मिश्र कए इ मंजूर नहि भेल आओर हुनकर एक इशारा पर शिप्रा क नाम कांग्रेस क सूची स काटि देल गेल। टिकट नहि भेटबा स आहत शिप्रा कहलथि जे ओ चुनाव लड़बा क मन बनेबा स पूर्व अपन ससुर स आशीर्वाद सेहो लेने छलीह। ओहि समय मे हुनका एहि पर कोनो एतराज नहि छल, मुदा बाद मे ओ एकर खिलाफ भ गेलथि । शिप्रा मिश्र दिल्ली मे रहैत छथि। दू वर्ष तक ओ एकटा अंग्रेजी अखबार मे काम सेहो केने छथि। एखन दिल्ली मे अपन एनजीओ चला रहल छथि आओर महिला आयोग क कामकाज मे सेहो भाग लैत छथि। हुनकर पति प्रो. संजीव मिश्र सेहो दिल्ली मे रहैत छथि।
अपन टिकट कटलाक बाद शिप्रा दिल्ली मे कांग्रेस क आला नेता आ कांग्रेस क बिहार प्रभारी मुकुल वासनिक स जखन एहि संबंध मे गप केलथि त हुनका स्पष्ट कहल गेल जे हुनकर परिजन कए एहि पर आपत्ति अछि जे ओ कांग्रेस क टिकट पर छातापुर स चुनाव लड़थि। शिप्रा कहैत छथि जे हुनकर अपन ससुर क संग कोनो मतभेद नहि रहल। नियमित रूप स ओ पटना जाइत रहैत छथि। हां अपन दियर नीतीश मिश्र क नाम सुनैत शिप्रा क तेवर कनि तल्ख भ जाइत अछि ओ कहैत छथि -बड़का लोक भ गेलाह अछिं नीतीश, आब हुनका भाई-भाउज लेल फुर्सत कहां अछि।