पटना। बिहार मे सत्तारूढ़ जनता दल (यू) क नेता राज्य क उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी स इस्तीफा मांगि रहल छथि। जनवरी 2008 मे भेल आठ करोड़ टका क पशु की दवाई खरीद मे अनियमितता क आरोप क विशेष सर्तकता अदालत द्वारा जांच क आदेश देला पर विपक्षी दलक संग-संग जदयू नेता सेहो मोदी स इस्तीफा मांगि रहल छथि है। ओहि दौरान मोदी क लग मे पशु संसाधन मंत्रालय क अतिरिक्त प्रभार छल। वरिष्ठ अधिवक्ता सुधीर ओझा क शिकायत पर अदालत जांच क आदेश देलक अछि। जदयू नेता कंचन बाला कहलाि अछि जे मोदी कए नैतिक आधार पर पद स इस्तीफा द देबाक चाही। बाला कहलथि जे नीतीश कुमार क सुसाशन क लेल मोदी बोझ बनि गेल छथि। दोसर दिस राजदक प्रदेश अध्यक्ष अध्यक्ष अब्दुल बारी सिद्दिकी कहला, ‘आब इ नीतीश पर निर्भर करैत अछि जे ओ मोदी क संग बनल रहैत छथि अथवा नहि।Ó