पटना। जनता दल(यू) क राज्य परिषद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए सबटा सांगठनिक आ राजनीतिक निर्णय लेबा लेल अधिकृत करि देलक। महिला आरक्षण विधेयक पर पार्टी मे चलि रहल मतभेद क बीच भेल इ निर्णय एक प्रकार स राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव कए अहम फैसला लेबा स दूर रखबाक प्रयास अछि। बैठक कए संबोधित करैत नीतीश कुमार देश मे लोकसभा चुनाव क भविष्यवाणी करि देलथि। ओ कहला जे राज्य मे विधानसभा चुनाव क गप भ रहल अछि, मुदा दिल्ली मे जे परिस्थिति अछि ओहि स लगैत अछि जेना देश मे लोकसभा लेल सेहो हमरा सब कए तैयार रहबाक चाही।
मुख्यमंत्री कहला जे पार्टी क अंदर मतभेद इ दर्शा रहल अछि जे दल क भीतर जीवन अछि। सब अपन मत राखि सकैत अछि। कोई अपन विचार पार्टीक ऊपर नहि थोपी सकैत अछि। एकटा लोकतांत्रिक पार्टी क इ सबस पैघ गुण अछि। जदयू एकर प्रमाण अछि, एकर अलावा आओर कोनो गप पार्टी मे नहि अछि। ‘लेट अस एग्री टू डिसएग्रीÓ।
ओ कहला जे राज्य मे चुनाव अछि। हम अपन काज करि देलहुं अछि। जनता तैयार अछि। आब अहां सब पर निर्भर करैत अछि जे केतबा फसल काटैत छी। ओ पार्टी नेता स कहजा जे आब जे कोनो शिकायत अछि ओकरा बर्दाश्त करू आ एकजुट भ कए संग्राम क लेल तैयार भ जाउ। पार्टी कए एहि गप क संतोष अछि जे पार्टीजनक छवि बहुत नीक अछि। हमरा सब पर इ आरोप कियो नहि लगा सकैत जे काज करबा मे अक्षम छी। बिहार कए विपरीत परिस्थिति स निकालबाक काज हमसब केलहूं अछि। बिहार क नाम ऊंच भेल अछि, बदनाम नहि केेलहूं अछि। बड़का भैया उल्टा-पुल्टा काज मे बाझल रहैत छलाह।
प्रदेश अध्यक्ष क अध्यक्षता मे पार्टी क राज्य परिषद क भारतीय नृत्य कला मंदिर मे आयोजित विस्तारित बैठक मे वरिष्ठ नेता रामबिहारी सिंह द्वारा तीनटा प्रस्ताव पेश कैल गेल। एहि मे स एकटा नव प्रदेश अध्यक्ष क मनोनयन क अनुमोदन स सेहो संबंधित छल । एकर अलावा राज्य कए विशेष राज्य क दर्जा दिएबाकलेल प्रस्ताव पेश भेल। प्रदेश अध्यक्ष बैठक मे उपस्थित लोक क इस गप पर सहमति देलथि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए सबटा सांगठनिक आ राजनीतिक फैसला लेबा लेल अधिकृत करि देल जाए। चौधरी एहि अवसर पर कार्यकर्ता कए भरोस दिएलथि जे हुनकर सम्मान मे पार्टी कोनो कमी नहि राखत। संगहि मुख्यमंत्री आ मंत्री कए एहि गपक गारंटी देलथि जे कोनो कार्यकर्ता हुनका स कोनो गलत काज लेल नहि कहत।