• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जमीन नहि देब त नहि बनत सडक

May 25, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । आखिरकार भारतीय राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण (एनएचएआई) राज्य सरकार कए अल्टीमेटम द देलक। ओ सड़क निर्माण क लेल जमीन क पूर्ण अधिग्रहण नहि भेला स आजिज भ गेल अछि। ओ सरकार स साफ कहि देलक अछि जे अगर तत्काल जमीन उपलब्ध नहि भेल, त ओ अपन परियोजना सब बिहार स समेट लेत। एनएचएआई क अध्यक्ष आरएस गुजराल राज्य सरकार कए एहि संबंध मे एकटा पत्र लिखलथि अछि जाहि मे इ त्राहिमाम संदेश देल गेल अछि। ओ अपन पत्र मे खास क कए ईस्ट-वेस्ट कारीडोर क संगहि एनएचडीपी फेज-3 क ओ 10टा सड़क क सेहो चर्चा केलथि अछि, जेकरा लेल निविदा भ चुकल अछि। दरअसल, जमीन नहि भेटला स एनएचएआई मुआवजा भरबाक स्थिति मे आबि गेल अछि। गुजराल राज्य सरकार कए लिखैत छथि-जमीन नहि भेटला स काफी आर्थिक बोझ झेल रहल छी। मामला काफी छोटे-छोटे अछि, मुदा एकर महत्व इ अछि जे ओहि ठाम सड़क नहि बन सकबाक स्थिति मे आगूक स्ट्रेच मे सड़क बनेबा मे परेशानी अछि। पैकेज नंबर बीआर-3 जे फारबिसगंज-सिमराही सेक्शन (एनएच-57) मे 6.05 किलोमीटर क काज जमीन अधिग्रहण नहि भ पेला स बाधित भ गेल अछि। पैकेज नंबर बीआर-4 सिमराही-कोसी सेक्शन (एनएच-57) मे जमीन अधिग्रहण नहि भेला स 1.6 किमी क काज अटकल अछि। बीआर-5 पैकेज जे कोसी ब्रिज सेक्शन पर 306 हेक्टेयर जमीन क अधिग्रहण हेबाक अछि मुदा 72 हेक्टेयर क कब्जा एनएचआई कए भेटल अछि। बीआर-6 पैकेज जे कोसी बांध क पश्चिमी हिस्‍सा मे अछि, क 1.2 किमी काज जमीन अधिग्रहण नहि भेला स आगू नहि बढि पाबि रहल अछि। स्थानीय लोक काज एहि कारण स शुरू नहि करए द रहल छथि जे हुनका मुआवजा क राशि जे भेटल अछि ओहि स ओ संतुष्ट नहि छथि। बीआर-7 पैकेज जे झंझारपुर-दरभंगा क बीच अछि, मे 1.4 किमी सड़क निर्माण क काम प्रभावित अछि। एहि ठाम 200.5 हेक्टेयर जमीन क अधिग्रहण हेबाक अछि आओर एखनधरि 150 हेक्टेयर जमीन एनएचएआई कए देल गेल अछि। ईस्ट-वेस्ट कारीडोर क तहत बिहार मे 488 किलोमीटर सड़क बनबाक अछि आ एखनधरि केवल 430 किमी सड़क बनल अछि। 58 किमी सड़क क निर्माण कार्य मार्च 2012 तक पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। गुजराल क पत्र मे एनएचडीपी फेज-3 क ओहि दसटा सड़क क सेहो जिक्र अछि जे निर्माण कंपनी कए देल जा चुकल अछि मुदा सरकार एखन धरिजमीन नहि देलक अछि, जाहि स ओकर निर्माण कार्य प्रभावित भ रहल अछि। एहि मे पटना-बख्तियारपुर, हाजीपुर-मुजफ्फरपुर, हाजीपुर-छपरा, मोकामा-मुंगेर, मुजफ्फरपुर-सोनबरसा, जोगबनी-फारबिसगंज, छपरा-गोपालगंज, मोतिहारी-रक्सौल आ खगडि़या-पूर्णिया सड़क शामिल अछि। एनएचएआई क परेशानी इ अछि जे निर्माण कंपनी स करार कए 180 दिन बाद जमीन उपलब्ध नहि हेबाक स्थिति मे ओकरा परियोजना लागत क .01 प्रतिशत दंड कंपनी कए भुगतान करबाक छैक। जमीन उपलब्ध भ गेला क 180 दिन बाद अगर निर्माण कंपनी सड़क निर्माण शुरू नहि करैत अछि त कंपनी कए उलटे एनएचएआई कए .02 प्रतिशत दंड देबा अछि। एहन मे एखन कंपनी फायदा मे जा रहल अछि आ बिहार आ एनएचएआई दूनू घाटा मे।

Tags: कोसीदरभंगापटनाबिहारसडक

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सुविधा भटत त बिहार मे सेहो खोलब यूनिट : सागर

कोसीक चिंता पर केंद्र गंभीर

Esamaad Epaper Website

केन्द्रीय एजेंसी स मांगल गेल वर्क प्‍लान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि