दरभंगाक सांसद गोपाल जी ठाकुर आश्वासन देलाह जे ओ सदन मे डीडी मैथिली लेल आवाज उठेताह ।
केन्द्रीय फिल्म सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय दरभंगा मे खोलबाक मांग।
दरभंगा । मैथिली फ़िल्म अकादमी, दरभंगा क एकटा शिष्टमंडल गुरुवार कए सांसद गोपालजी ठाकुर स हुनकर आवास पर भेंट कए हुनका दू सूत्री मांगक स्मारपत्र सौंपलथि । एहिमे संविधान क आठम अनुसूची मे शामिल भाषा मैथिली मे दूरदर्शन पर 24 घंटाक स्वतंत्र चैनल ‘डीडी मिथिला’ शुरू करबाक आओर केंद्रीय फ़िल्म सेंसर बोर्ड क क्षेत्रीय कार्यालय दरभंगा मे खोलबाक मांग कैल गेल ।
सांसद जी दुनू मांग पर चर्चा क उपरांत शिष्टमंडल कए आश्वासन देलथि जे ओ आगामी संसद सत्र क दौरान सदन मे दूनू मांग कए प्रश्नक माध्यम से उठाओत । ओ कहलथि जे मिथिलाक कला, कलाकार आओर संस्कृति क पहचान देश आओर दुनिया मे अछि । एहिक उत्थान लेल संसद स सड़क धरि आंदोलन करब ।
शिष्टमंडल मे अकादमी क संयोजक शशि मोहन ‘भारद्वाज’, हेमेंद्र कुमार लाभ, विजय साह ,वरुण कुमार झा, सुजीत कुमार, विवेकानंद चौधरी आओर उज्ज्वल कुमार शामिल छलाह ।