इंडियल आयल कॉरपोरेशन क पंप स्टेशन क उद्घाटन, पटना मे आब संभव भेल जहाज मे तेल भरब
गंगा नदी आ गांधी सेतु पर नजर रखबा लेल खुलल कंट्रोल रूम
जीटी पर नाइट नेविगेशन क व्यवस्था शीघ्र, भ सकत 24 घंटा काज
डीजीपीएस स्टेशन आ बिहारक पहिल रीवर इन्फारमेशन सिस्टम सह आफिस क उद्घाटन
गायघाट मे अंतर देशीय जलमार्ग हब बनेबाक योजना
नीनी क वेबसाइट क सेहो उद्घाटन
पटना सिटी। सड़क मार्ग आ रेल नेटवर्क पर बढ़ते दबाव क बाद बिहार में राष्ट्रीय जलमार्ग कए विकसित कैल जा रहल अछि। जलमार्ग स कम खर्च मे ढुलाई कैल जा सकैत अछि। एहि संदर्भ मे गंगा नदी आ गांधी सेतु पर विशेष नजर रखबा लेल एकटा कंट्रोल रूम खोलल गेल अछि। जेकर उद्घाटन करैत गायघाट स्थित भारतीय अंतरदेशीय जलमार्ग प्राधिकरण क उपाध्यक्ष सुनील कुमार कहला जे नदी मे जल क स्तर घटबा एलएडी क व्यवस्था कैल जा रहल अछि। एहि ठाम नाइट नेविगेशन क सेहो व्यवस्था भ रहल अछि, जाहि स 24 घंटा काज भ सकत। ओ कहला जे समस्त उत्तर भारत मे एखन धरि कोनो वर्कशाप नहि अछि। जाहि स एहि इलाका मे जहाज क मरम्मत एकटा मुश्किल काज अछि। मुदा शीघ्र एहि ठाम वर्कशॉप खोलल जा रहल अछि। एहि ठाम एकर पढ़ाई आ ट्रेनिंग क सेहो व्यवस्था कैल जाएत। सिमलेटर क उद्घाटन करैत ओ कहला जे एहि स छात्र कए काफी लाभ भेटत। जहाज पर जाए स पहिने सबटा चीज स अवगत करा देल जाएत। आईडब्लू एआई उपाध्यक्ष सुनील कुमार गायघाट मे निर्माण भ रहल हाई लेवल जेटी क निरीक्षण केलथि। ओ इंडियल आयल कॉरपोरेशन क पंप स्टेशन क सेहो उद्घाटन केलथि। आब एहि ठाम स जहाज मे तेल भरल जा सकैत अछि। एकर अलावा उपाध्यक्ष डीजीपीएस स्टेशन आ आईडल्यूएआई क परिसर मे रीवर इन्फारमेशन सिस्टम सह आफिस क उद्घाटन केलथि। ओ कहला जे बिहार क इ पहिल स्टेशन अछि। 2011 तक रिवर इन्फारमेशन सिस्टम काज करै लागत। एहि अवसर पर एआरआई क कैप्टन आइबी सोलंकी कहला जे गायघाट मे शीघ्र अंतर देशीय जलमार्ग हब बनेबाक प्लान अछि। बिहार सरकार पूरा सहयोग करि रहल अछि। इनलैंड वेसल रूल लागू भ गेलाक बाद बिहार स जहाज क निबंधन भ सकत। एखन धरि जहाजक निबंधन बाहर स भ रहल अछि। कार्यक्रम क दौरान नीनी क वेबसाइट क सेहो उद्घाटन भेल।