• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जीरो ग्रांट पर बनत रजौली- बख्तियारपुर सड़क

February 11, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । रजौली- बख्तियारपुर सड़क कए फोर लेन बनेबा लेल पथ परिवहन एवं राजमार्ग मंत्रालय एनओसी द देलक अछि। 817 करोड़ क लागत स बनि रहल एहि सड़क लेल टेंडर पहिने भ चुकल अछि। मधुकान कंस्ट्रक्शन इ सड़क बना रहल अछि। केंद्र क एनओसी नहि भेटबा स काज आगू नहि बढि रहल छल। 108 किमी लंबा इ सडक देश क संभवत: पहिल सड़क छी, जे जीरो ग्रांट पर बनत। अगिला छह मास मे जमीन पर काज शुरू भ जएत। इ सड़क, बिहार राज्य पथ विकास निगम क देखरेख मे बनत। इ’समाद पहिने बता चुकल अछि जे बख्तियारपुर-रजौली सड़क कए फोर लेन मे बदलबा लेल एकटा प्रस्ताव राज्य सरकार पथ परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय कए पठेने छल। मंत्रालय जखन एहि पर अपन सहमति नहि देलक, त फेर पथ निर्माण विभाग इ प्रस्ताव देलक जे ओ केवल अनापत्ति प्रमाण पत्र (एनओसी) चाहैत अछि। राज्य सरकार एकरा अपन दम आ प्रयास स बना लेत। संयोग स पीपीपी मोड पर एहि सड़क क निर्माण लेल एनओसी प्राप्त भ गेल अछि। आमतौर पर पीपीपी मोड क परियोजना मे एक हिस्सा वाइबिलिटी गैप फंड (वीजीएफ) क होइत अछि। वीजीएफ क तहत 60 आ 40 क अनुपात मे राशि गलाउल जाइत अछि। साठ फीसदी राशि निर्माण कंपनी कए, 20 प्रतिशत राज्य सरकार कए आओर 20 प्रतिशत केंद्र सरकार कए लगैत अछि। बख्तियारपुर-रजौली सड़क क संग एहन नहि अछि। निर्माण कंपनी बिना कोनो वीजीएफ, यानी जीरो ग्रांट पर एहि परियोजना कए पूरा करत। छह मास फाइनेंसियल क्लोजर क अछि। छह मास क बाद कंपनी एहि सड़क कए फोर लेन मे बदलब शुरू करत। बिहार राज्य पथ विकास निगम क राष्ट्रीय उच्च पथ (एनएच) क इ दोसर परियोजना छी। एहि स पूर्व आरा-मोहनिया कए पीपीपी मोड मे बनाउल जा रहल अछि। आरा-मोहनिया 23 प्रतिशत वीजीएफ पर बनि रहल अछि। एहि मे 19 प्रतिशत केंद्र आ तीन प्रतिशत हिस्सा राज्य सरकार क लागि रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क आर्थिक सर्वेक्षण पेश, विकास दर 14.8 प्रतिशत

Esamaad Epaper Website

नीतीश मंगलथि माफी

Esamaad Epaper Website

राष्ट्रीय औसत स आधो नहि अछि बिहारक सीडी रेशियो

Comments 2

  1. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Samad update nahi bha rahal achhi. Kripaya gati banene rahur. Dhanyabad.

    Reply
  2. burberry handbags says:
    13 years ago

    I just could not depart your website prior to recommending which i extremely enjoyed the standard info a person provide for these potential customers? Is gonna be back often to check on brand new posts

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि