नई दिल्ली। एहि सालक प्रबोध सम्मान क लेल जीवकांत क चयन कएल गेल अछि। एहि पुरस्कारक घोषणा 30 सदस्यीय चयन समिति के अध्यक्ष प्रसिद्ध शिक्षाविद् व शांति निकेतन क टेगोर प्रोफेसर डॉ उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ केलथि। इ पुरस्कार 14 फरवरी कए पटना कए विद्यापति भवन मे प्रदान कैल जाएत। एहि पुरस्कार तहत स्वस्ति फॉउन्डेशन एक लाख टका आ एकटा स्मारक प्रदान करैत अछि।
जीवकान्त
पूर्ण नाम- जीवकांत झा
पिता-गुणानन्द झा, माता-महेश्वरी देवी, जन्म तिथि-25.07.1936, स्थान अभुआढ़, जिला-सुपौल
शिक्षा-मैट्रिक (1955 उ.वि.डेवढ़), आइ.एस.सी. (1957 आर.के.कॉलेज, मधुबनी), बी.ए. (1964 बिहार वि.वि.स्वतंत्र छात्र), डिप.इन.एड.(1969 मिथिला वि.वि.)
नौकरी-उच्च विद्यालय मे सहायक शिक्षक। विज्ञान शिक्षक (उ.वि.खजौली 1957-81), हिंदी शिक्षक (उ.वि.डेओढ़ एवं उ.वि.पोखराम 1981-98)
पहिल रचना-इजोडिय़ा आ टिटही (कविता, जनवरी 1965 मिथिला मिहिर)
पहिल छपल पोथी- दू कुहेसक बाट (उपन्यास 1968)
नवीनतम पोथी-खिखिरक बीअरि (2007 बाल पद्य कथा), अठन्नी खसलइ वनमे (पद्य-कथा संग्रह) आ पंजरि प्रेम प्रकासिया (जीवन-वृत्तक अंश) प्रेस मे
पुरस्कार-साहित्य अकादमी (दिल्ली 1998), किरण सम्मान (1998), वैदेही सम्मान (1985)
प्रकाशित पोथी-
कविता संग्रह : नाचू हे पृथ्वी (71), धार नहि होइछ मुक्त (91), तकैत अछि चिड़ै (95), खाँड़ो (1996), पानिमे जोगने अछि बस्ती (98), फुनगी नीलाकाशमे (2000), गाछ झूल-झूल (2004), छाह सोहाओन (2006), खिखिरिक बीअरि (2007)
कथा-संग्रह : एकसरि ठाढि़ कदम तर रे (72), सूर्य गलि रहल अछि (75), वस्तु (83), करमी झील (98)
उपन्यास : दू कुहेसक बाट(68), पनिपत(77), नहि, कतहु नहि (76), पीयर गुलाब छल (71), अगिनबान (81)
हिन्दी अनुवाद : निशान्त की चिडिय़ा (हिन्दी अनुवाद-तकैत अछि चिड़ै, साहित्य अकादमी, दिल्ली 2003)
प्रबोध सम्मान
प्रबोध सम्मान 2004- श्रीमति लिली रे (1933- )
प्रबोध सम्मान 2005- श्री महेन्द्र मलंगिया (1946- )
प्रबोध सम्मान 2006- श्री गोविन्द झा (1923- )
प्रबोध सम्मान 2007- श्री मायानन्द मिश्र (1934- )
प्रबोध सम्मान 2008- श्री मोहन भारद्वाज (1943- )
प्रबोध सम्मान 2009- श्री राजमोहन झा (1934- )
प्रबोध सम्मान 2010- श्री जीवकान्त (1936- )