पटना। अगर सब किछु ठीक रहल आ एहिना काम आगू चलैत रहल त पटना एम्स मे अगिला साल जुलाई स पढाई शुरू भ जाएत। बिहार क लोक क इ चिरप्रतीक्षित सपना पूरा हेबाक तारीखक घोषणा पटना एम्स क नवनियुक्त निदेशक डा. गिरीश कुमार सिंह केलथि अछि। ओ आ भोपाल एम्स क नवनियुक्त निदेशक डा. संदीप कुमार संग निर्माण कार्य क जायजा लेलाक बाद पत्रकारक सवाल उत्तर दैत कहला जे एहि मेडिकल कालेज आ नर्सिग स्कूल मे दाखिला संग जुलाई 2012 स पढ़ाई आरंभ भ जाएत। ओना सिंह कहला जे ओपीडी जनवरी तक चालू करि देल जाएत। एहि सेवा लेल एम्स मे पर्याप्त संख्या मे चिकित्सक क नियुक्ति कैल जा रहल अछि। जे डाक्टर एहि ठाम योगदान करताह ओ जनवरी 2012 स ओपीडी मे इलाज शुरू करताह। ओ कहला जे एहि ठाम एकटा बेवसाइट सेहो चालू कैल जा रहल अछि। एहि वेबसाइट क माध्यम स आन लाइन डाक्टरी परामर्श भेटत। संगहि गाम क स्वास्थ्य उप-केन्द्र तक नेटवर्क बिछाउल जा रहल अछि जतए स डाक्टर गंभीर बीमारी स पीडि़त लोकक बारे मे एम्स क विशेषज्ञ स मशवरा करि सकैत छथि। ओ कहला जे पटना एम्स मे केवल 271टा टीचिंग स्टाफ हेताह। दोसर दिस एम्स प्रोजेक्ट क निदेशक राकेश कुमार सेहो पटना मे आइ कार्य प्रगति क समीक्षा केलथि आ काज कए समय सीमाक भीतर खत्म करबा लेल निर्देश देलथि। एम्स क मेडिकल कालेज क निर्माण लगभग पूरा भ चुकल अछि। मेडिकल छात्र क पढ़ाई क दौरान अगिला डेढ़ साल मे अस्पताल सेहो कार्य करैय लागत, जतए हुनका प्रायोगिक शिक्षा देल जाएत। नर्सिग क कमी कए देखैत स्कूल सेहो शुरू कैल जा रहल अछि ताकि पढ़ाई क संग अस्पताल मे नर्सिग सेवा मे कोनो कमी नहि रहए। पहिल साल मेडिकल कालेज मे 100 छात्र क दाखिला होएत जखन कि नर्सिग स्कूल मे 60टा सीट राखल गेल अछि। एम्स क निदेशक डा. सिंह कहला जे ओ एक नवंबर स स्थायी रूप स पटना मे रहब शुरू करि देताह, ताकि मेडिकल कालेज आ अस्पातल समय पर अपन सेवा उपलब्ध करा सकए। बताउल जा रहल अछि जे नर्सिग स्कूल स शिक्षित संविका अपन गुण मे दक्ष हेतीह।