• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

झंझारपुर मे मखानक प्रोसेसिंग यूनिट लगला स बढ़ल पैदावारक रकबा

October 12, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

makhana
makhana1
मधुबनी । देश मे मखानक कूल पैदावार क करीब 90 फीसदी हिस्सा मिथिलाक लग मे अछि। छोट-मोट डाबर स ल कए पैघ पोखरि तक मे मखानक खेती होइत छल। मुदा पिछला चारि दशक स खेतीक रकबा मे धीरे-धीरे कमी होइत गेल। पिछला दू दशक मे त मिथिला स कूसियार(ईख या गन्ना) आओर मखान क खेती नाम मात्रक रहि गेल छल। बिहार मे नीतीश सरकार एलाक बाद कृषि लेल एकटा रोड मैप तैयार कैल गेल छल। जेकर परिणाम आब सामने आबि रहल अछि। 2006 मे मुख्यमंत्री अपन हाथ स बिहारक पहिल मखान प्रोसेसिंग यूनिटक उद्घाटन केने छलाह। आई झंझारपुर मे सेहो एकटा प्रोसेसिंग यूनिट लागि चुकल अछि। बिहार मे श्वेत क्रांति करिनिहार सुधा पहिल बेर मखान उत्पादन बढेबा लेल आगू बढ़ल। आइ मखान बोरा स निकलि कए रंग-बिरंगक छोट-छोट पैकेट मे बंद भ देश-विदेश तक जेबा लेल तैयार अछि। एहि काज लेल कईटा लोक जुटि चुकल छथि। मांग क संग-संग किसान कए पैदावार करबा लेल पूंजी आ प्रोत्साहन भेटि रहल अछि। देखिते-देखिते मखानक पैदावार पिछला दू-तीन साल मे 5 टन स बढि़ कए 20 स 25 टन तक भ चुकल अछि, मुदा पैदावारक हिसाब स मांग कई गुना बढि़ गेल अछि। जइ कारण आइ मिथिलाक मखान काजू आ किसमिस स बेसी महग अछि। आइ मखान आम लोकक पहुंच स आगू बढि़ चुकल अछि। देशक पांच तारा होटलक मेनू चाट मे मखान अपन श्रेष्टïता साबित करि चुकल अछि। कुल मिला कए मखान क खेती धीरे-धीरे फायदाक सौदा कहल जा रहल अछि। आइ किसान कए 100 टका स 150 तक भेटि रहल अछि, जखन कि तीन साल पहिने एतबा मात्रा लेल 60 स 75 टका त देल जाइत छल।

Tags: madhubanimakhanamithilanitishsudhaमखानमधुबनीमिथिला

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

केन्द्रीय कर्मी जेकां भेटत राज्यकर्मी कए पेंशन

देशक सबस पैघ पुल बनबा मे लागत एखन तीन साल

Esamaad Epaper Website

तोगडिय़ा कए नीतीशक तगड़ा जबाव

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि