नीलू कुमारी
पटना। रैयाम आ सकरी चीनी मिल खुलबाक सपना टूटि सकैत अछि। इ दूनू मिल किननिहार कंपनी तिरहुत इंडस्टीयल लिमिटेट (टीआइएल) क एकटा प्रमुख हिस्सेदार अजीत नाथ झा अपना कए एहि कंपनी स अलग कए लेलथि अछि। ओना कंपनी दिस स एहि गपक पुष्टि करैत उोसर हिस्सेदार आ कंपनीक प्रबंध निदेशक प्रदीप चौधरी कहला अछि जे कंपनी अगिला साल चीनी क उत्पादन शुरू करि देत। ज्ञात हुए जे अजीत नाथ झा आ प्रदीप चौधरी क हिस्सेदारीवाला टीआइएल बिहार सरकार स इ दूनू चीनी मिल किनने छल आ रैयाम मे संयंत्र लगेबाक घोषणा केने छल। पिछला दू साल पहिने इसमाद स कैल एकटा साक्षात्कार मे श्री झा दावा केने छलाह जे इ मिल 2010 तक चालू भ जाएत, मुदा 2011 मे सेहो एकर चालू हेबाक कोनो उम्मीद नहि अछि। एहि बीच राज्य सरकार कंपनी कए मिलक जमीन आ कब्जा दूनू हस्तानांतरित करि चुकल अछि। मुदा एहि दौरान कंपनीक एकटा मुख्य हिस्सेदारक अलग हेबाक घोषणा मिल खुलबाक सपना कए तोडि सकैत अछि। एहि संबंध मे जखन अजीत नाथ झा स संपर्क कैल गेल त ओ बस एतबा कहलथि जे ओ आब कंपनी स जुडल नहि छथि आ परियोजनाक संबंध मे जे कहताह प्रदीप चौधरी कहताह। कंपनी स अलग हेबाक कारण पूछला पर श्री झा टिप्पणी स इनकार कए देलथि। दोसर दिस श्री चौधरी कहला जे श्री झा कंपनी स अलग जरूर भ गेलाह अछि मुदा हम सब लागल छी जे ओ एक बेर फेर कंपनी क हिस्सा भ जाइथि। मुदा श्री चौधरी सेहो हुनकर अलग हेबाक कारण कहबा स इनकार करि देलाह। परियोजना मे देरी क सवाल पर श्री चौधरी कहला जे मिलक लगभग 50 फीसदी राशि सरकारी खाता मे राखल जा चुकल अछि। टीआइएल रैयाम मिल कए खोलबा लेल काज शुरू करि चुकल अछि। आशा अछि जे रैयाम मे अगिला मास मे मिल लागब शुरू भ जाएत। अगिला सीजन मे एहि मिल स धूआं निकलैत देख सकैत छी।
दोसर दिस बिहार राज्य चीनी निगम क पिछला कई सालक प्रयास आब रंग अनबा लेल तैयार अछि। बिहार मे बंद 15 टा चीनी मिल मे स दूटा मिल स धूआं निकलबा क तारीख तय भ गेल अछि। लौरिया आ सुगौली स 15 नवंबर कए धूआं निकलबाक उम्मीद अछि। एहि दूनू मिल कए हिन्दुस्तान पेटोलियम लिमिटेड तैयार कए चुकल अछि आ दूनू मिल मे परीक्षणक दौर भ चुकल अछि। सब किछु ठीक रहल त एहि मिल स औद्योगिक उत्पादन नवंबर स शुरू भ जाएत।
मोतीपुर आ बिहटा चीनी मिल आइपीएल आ दिल्लीक प्रीस्ताइन लोजेस्टिक कीनलक अछि। हाल फिलहाल मे मोतीपुर चीनी मिल सेहो इंडिया पोटास लिमिटेड कीन लेलक अछि। कंपनी दिस स खरीद राशिक 40 फीसदी रकम बिहार सरकार कए द देल गेल अछि। निगम आयुक्त जयमंगल सिंहक कहब अछि जे मिल क बकाया कर्मचारी सब कए देल जा रहल अछि आ बिका चुकल मिलक कर्मचारी कए आब कोनो बकाया नहि अछि। ओ कहला जे बाकी बचल मिल कए खोलबाक प्रयास तेज कैल जा रहल अछि। हुनक कहब अछि जे पहिने जे कंपनी मिल खरीद लेल सामने आयल आ सरकार संग अनुबंध केलाक बाद मिल खोलबा लेल प्रयास नहि केलक ओकरा अनुबंद खत्म करबा लेल कार्रवाई शुरू कैल जा रहल अछि। आशा केल जा रहल अछि जे एहि दूटा मिल कए खुललाक बाद बाकी मिल लेल सेहो उद्यमी सामने अउताह।