पटना। बिहार बच्चा कए छहटा बीमारी स बचेबा लेल कैल जा रहल टीकाकरण मे अपन मेहनत सिद्ध करि देलक। एहि ठाम पोलियो, खसरा, गलघोंटू, काली खांसी, टीबी आ टेटनस क प्रकोप स बच्चा कए सुरक्षित रखबा लेल कैल जा रहल नियमित टीकाकरण क कवरेज में अप्रत्याशित वृद्धि दर्ज भेल अछि। नियमित टीकाकरण क औसत बिहार में 68.8 प्रतिशत जा पहुंचल अछि जे कि 61 क राष्ट्रीय औसत स बेसी अछि। टीकाकरण क बेहतर कवरेज क कारण पिछला 14 माह स प्रदेश में पोलियो क कोनो मामला सामने नहि आयल अछि। प्रधान स्वास्थ्य सचिव अमरजीत सिंहा कहला जे नियमित टीकाकरण क कवरेज बढ़बाक कारण शिशु मृत्यु दर मे सेहो कमी आयल अछि। आंकडा सेहो बता रहल अछि जे 2008 क शिशु मृत्यु दर 56 क तुलना में एखन इ 52 भ गेल अछि। चारि अंक क इ कमी राष्ट्रीय स्तर पर तीन अंक क कमी स एक बेसी अछि। ज्ञात हुए जे 2005 मे टीकाकरण क प्रतिशत 32 छल जे 2006 मे बढि कए 38 प्रतिशत भ गेल छल। 2009 तक इ 54 फीसदी भ गेल जे 2011 मे 68.8 प्रतिशत तक जा पहुंचल अछि।