पटना। राज्य सरकार आखिरकार मिथिलाक पूरान मांग मानि लेलक। कईटा सरकार आयल कईटा सरकार गेल मुदा बिहारक पर्यटनक नक्शा पर मिथिला क धार्मिक स्थल नहि आनल गेल छल। कहबा लेल त कईटा मिथिला पुत्र बिहारक भाग्यविधाता भेलाह, मुदा मिथिला कए इ सम्मान भेटबा मे 60 साल लागि गेल। अंतत: बिहार सरकार दरभंगा आ मधुबनी जिला क ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व क स्थल कए नव टूरिस्ट सर्किट मे शामिल करबाक निर्णय ल लेलक अछि। पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू विधान परिषद मे कहला जे दरभंगा जिला में अहिल्या स्थान, कमतौल लग पर्यटकीय सुविधा क विकास लेल 44.56 लाख टकाक योजना कार्यान्वित कैल जा रहल अछि। एहि ठाम ऋषि-मुनि क प्रतिमा स्थापित कैल जाएत। संपर्क पथ क निर्माण, पोखर क जीर्णोद्धार, स्नानघर, स्थायी बेंच, पौधरोपण आ शौचालय आदि क निर्माण कराउल जाएत। पर्यटन मंत्री कहला जे दरभंगा जिला क गौतम कुण्ड, मधुबनी जिला क बेनीपट्टी अनुमंडल मे उचैठ दुर्गा स्थान, शिवनगर क गांडिवेश्वर डोकहर (दुखहर) क राज राजेश्वरी भगवती स्थान आ सौराठ क माध्वेश्वर आ रहिका प्रखंड क कपिलेश्वर धार्मिक दृष्टि क महत्वपूर्ण स्थान अछि, जेकरा पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित कैल जा रहल अछि। पर्यटन मंत्री कहला जे राज्य मे जतए जतए शिवलिंग स्थल अछि आ जाहि ठाम वार्षिक एक लाख श्रद्धालु अबैत छथि ओ सबटा शिवलिंग स्थल कए धार्मिक आ पर्यटन स्थल क रूप मे विकसित कैल जाएत। ओ कहला जे बाबाकोरेश्वर नाथ कए सेहो पर्यटन स्थल बनेबाक योजना अछि।
बहुत नीक गप्प ।
बधाई आ संगहि श्री नितीश कुमार जी केँ बहुत बहुत धन्यवाद ।
एहि सँ पहिने जे मिथिलाक पूत लोकनि यथायोग्य राजनैतिक अधिकार रहितहुँ उपरोक्त काज नञि कऽ सकलाह , तनिका चुरुक भरि पानि मे डूबि मरबाक चाही ।
bahut neek samaad. esamaad ke dhanyabaad.