पटना। प्रदेश मे ट्रिपल आइटी क स्थापना कए ल कए मानव संसाधन मंत्रालय राज्य सरकार स अगिला सात दिन, यानी तीस मई तक पूरा स्थिति स्पष्ट करबा लेल कहलक अछि। पीपीपी मोड पर स्थापित होइवाला ट्रिपल आइटी क संबंध मे विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग कए मानव संसाधन मंत्रालय कए इ बतेबाक अछि जे सरकार एहि संबंध मे की की व्यवस्था केलक अछि। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग स भेटल आधिकारिक जानकारी क अनुसार पीपीपी मोड तीन हिस्सा मे अछि। दू हिस्सा त ठीक अछि मुदा तेसर क व्यवस्था एखन नहि भ सकल अछि। ट्रिपल आइटी आरंभ करबा लेल मानव संसाधन मंत्रालय जे नव मोड तय केलक अछिओकर अनुसार राज्य सरकार आ केंद्र सरकार क अतिरिक्त एकटा हिस्सा निजी तकनीकी संस्थान क होएत। निजी संस्थान कए अपन जरूरत क हिसाब स विषय तय करबाक छूट होएत। किछु मास पहिने मानव संसाधन मंत्रालय राज्य सरकार कए इ पत्र लिखने छल जे अगर ओ ट्रिपल आइटी क स्थापना करबा लेल तैयार अछि त जमीन आ निजी संस्थान क व्यवस्था अपन स्तर स करए। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग क अधिकारी कहला जे ट्रिपल आईटी क लेल काफी पहिने स सरकार नालंदा मे जमीन चिन्हित केने अछि। निजी फर्म क बारे मे मानव संसाधन मंत्रालय स गाइडलाइन मांगल गेल अछि। मानव संसाधन मंत्रालय स गाइडलाइन भेटलाक बाद एहि बारे मे राष्ट्रीय स्तर पर एक्सप्रेशन आफ इंटरेस्ट आमंत्रित कैल गेल। तय तारीख तक कोनो निजी फर्म नहि आयल, तखन एकर आखिरी तारीख सात दिन आओर बढ़ा देल गेल। ओतहि मानव संसाधन मंत्रालय इ स्पष्ट करि देलक अछि जे 30 मई तक विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग इ स्पष्ट करए जे कौन निजी संस्थान एहि परियोजना क संग जुड़बा लेल तैयार अछि।
सभटा चीज नालंदहि मे किऐक ???????
Nalanda has already bagged a CENTRAL UNIVERSITY. For the shake of equal distribution of resources & for the uniform growth of BIHAR we demand this IIIT at either DARBHANGA, MADHUBANI, SAMASTIPUR, SAHARSA , MADHEPURA, SUPAUL or SITAMADHI.