भागलपुर । गंगा मे डोलफिन क संख्या बढि रहल अछि। ताजा आंकडा क अनुसार भागलपुर क्षेत्र मे डोलफिन क संख्या मे उत्साहजनक बढोतरी भेल अछि। हाल मे कैल गेल सर्वे क अनुसार भागलपुर प्रक्षेत्र मे डोलफिन क संख्या 223 भ गेल अछि जे पिछला सालक तुलना मे 48टा बेसी अछि। इ सर्वे रिपोर्ट विक्रमशीला वायोडाइवर्सिटी रिसर्च एंड एजुकेशन सेंटर (वीबीआरइसी) जारी केलक अछि। पिछला साल इ आंकडा 175 छल। ज्ञात हुए जे भागलपुर प्रक्षेत्र भारतक इकलौता डोलफिन विहार अछि। भारत सरकार पिछला साल डोलफिन कए देशक राष्टीय जल पशु घोषित करि चुकल अछि। एकर संरक्षण लेल राज्य सरकार कई साल स प्रयास करि रहल अछि। ओना समय समय पर एकर शिकार करबाक घटना सामने अबैत रहैत अछि। मुदा एकर संख्या मे बढोतरी एक प्रकार स एकर सुरक्षा क प्रति लोकक जागरुकता आ गंगाक प्रदुषण मे कमी दूनू कए देखा रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे 1980 तक भारत मे कुल 3500 डोलफिन पाउल जाइत छल। मुदा आइ 2000 स बेसी डोलफिन गंगा स गायब भ चुकल अछि। आइ गंगा मे महज एक हजारक करीब डोलफिन अछि जाहि मे स सबस बेसी भागलपुर प्रक्षेत्र मे पाउल जा रहल अछि। करीब 50 किमी लंबा एहि क्षेत्र मे सब साल सर्वे कैल जाइत अछि आ एकर संख्या क पता लगाउल जा रहल अछि। डोलफिन क संख्या मे कमी कए देखैत 1998 मे वीबीआरइसी पहिल बेर एकर सर्वे केलक जाहि स इ जानकारी भेटल जे अगर एकर संरक्षण नहि कैल गेल त इ गंगा स लुप्त भ जाएत। एकर बाद सरकार एकर वार्षिक सर्वे क प्रावधान कैलक। एखनो जरूरत अछि एकर संरक्षण करबाक आ एकरा बचेबा लेल लोक सब मे जागरुकता पैदा करबाक।