• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

त्वरित न्याय क दिशा मे एकटा आओर डेग

November 12, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

भागलपुर। जस्टिस डिलेड, जस्टिस डिनायड..। यानि न्याय भेटबा मे देरी भेल त बूझू जे न्याय स वंचित भेलहुं। एहि परिपेक्ष्य मे त्वरित न्याय क लेल पटना हाईकोर्ट राज्य क सबटा सेशन डिविजन मे संध्याकालीन कोर्ट शुरू करबाक निर्देश जारी केलक अछि। इ कोर्ट सब जिला मे 15 नवम्बर स प्रारंभ भ रहल अछि। एहि आशय क अधिसूचना हाई कोर्ट द्वारा जारी करि देल गेल अछि, जतए लंबित मामला क शीघ्र निष्पादन कैल जाएत।
विदित हुए जे एकरा लेल भारत सरकार द्वारा 13वीं वित्त आयोग क माध्यम स विभिन्न वित्तीय सहयोग देबाक अछि। जेकर सूचना बिहार सरकार क विधि विभाग कए जारी कैल गेल अछि। एहि आलोक मे हाई कोर्ट संध्याकालीन कोर्ट प्रारंभ करबाक अधिसूचना जारी केलक अछि, जेकर बाद इ कोर्ट मूर्त रूप मे आबि रहल अछि। एकर कार्यावधि पांच बजे स सांझ स सात बजे सांझा तक क होएत। मात्र दू घंटा क एहि कोर्ट क संचालन क लेल कोर्ट मे पदस्थापित जूनियर डिविजन क न्यायिक दंडाधिकारी कार्य करताह, जिनका उक्त कोर्ट क संचालन क लेल एकटा स्टेनोग्राफर, एक-एकटा बेंच आ आफिस क्लर्क समेत दूटा चपरासी सहायता क लेल देल गेल अछि। संगहि उक्त अधिसूचना क तहत एहि कोर्ट मे कार्य करनिहार अधिकारी आ सहयोगीगण कए हुनकर मूल वेतन क 25 प्रतिशत आ महंगाई भत्ता क भुगतान होएत।
हाई कोर्ट दंप्रस क धारा 11 क सब सेक्सन तीन क तहत एहि कोर्ट मे कार्य करनिहार जूनियर डिविजन क न्यायिक दंडाधिकारी कए प्रथम श्रेणी न्यायिक दंडाधिकारी क अधिकार सेहो देलक अछि। संध्याकालीन कोर्ट मे मोटर ह्वेकिन एक्ट स संबंधित मामला, एनआई एक्ट 1881 क धारा 138, मुनिसिपल एक्स, माप-तौल विभाग क विधि, फूड एडलट्रेशन एक्ट, आवश्यक वस्तु अधिनियम, सोप आ इस्टाब्लिसमेंट एक्ट, भादवि क सन धारा क केस संचालन होएत, जाहि मे आरोपी कए न्यायिक अभिरक्षा मे नहि लेल जा सकत। एहि कोर्ट मे संधि योग्य धारा क सुनवाई कैल जाएत। ओतहि दीवानी मामला जे 50 हजार स कम क दावा राशि क हाएत ओकर सेहो सुनवाई एहि अदालत मे भ सकत।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

दरभंगा मेडिकल कॉलेज मे पीजी डिग्री क सीट बढल

मुजफ्फरपुर मे आवास बोर्ड क नव स्कीम

ब्रिटानियां बिहार मे लगाउत बिस्कुट संयंत्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि