लुधियाना स चंदन मिश्रा
पंजाब क औद्योगिक शहर लुधियाना मे तीन-चारि दिसंबर कए भेल बवाल कए लकए राज्य क दूनू प्रमुख पार्टी सियासत करि रहल अछि। अकाली दल भाजपा गठजोड़ प्रशासनिक कमी कए नुकेबा पर जांच कमेटी गठित केलक, त कांग्रेस सेहो आला नेता स सजल जांच कमेटी बना देलक। मुदा एहि दूनू जांच कमेटी पर प्रवासी मजदूर कए शायद भरोसा नहि आ ने भरोसा अछि प्रशासन पर। तखने त कांग्रेस क जांच कमेटी क दरबार मे एकोटा प्रवासी अपन फरियाद लकए नहि पहुंचल। इ प्रवासी क स्थानीय नेता पर अविश्वास अछि जे ओ एहन अदालत मे गुहार लगेबा लेल तैयार नहि अछि। कमेटी क नाकामी नुकेबा लेल कांग्रेसी नेता कहला जे शायद पीडि़त लोग सामने एबा स बचि रहल छथि। एहि लेल कमेटीक सदस्य आब लोकक दुहारि पर जा कए हुनकर दर्द सुनत, मुदा जखन जांच कमेटी ढंडारी पहुंच, तखनो ओकर सामने नाममात्र लोग आयल।
आब इ कमेटी क रिपोर्ट एबाक अछि, इ त एखन नहि कहि सकैत छी जे रिपोर्ट की आउत, मुदा एहि बीचजामिया मिलिया इस्लामिया के जामिया टीचर्स सॉलीडेटरी एसोसिएशन क स्कॉलर्स क एकटा टीम ढंडारी क इलाकाक दौरा करि एकटा रिपोर्ट तैयार केलक अछि। इ रिपोर्ट चंडीगढ़ मे सार्वजनिक भेल अछि। एहि टीम क रिपोर्ट मे इ गप कहल गेल अछि जे एहि घटनाक पाछु न केवल प्रशासनिक अमला, बल्कि आला अफसर क बयान तक हास्यास्पद आ गैर जिम्मेदाराना अछि। टीम क अगुवाई करि रहल तनवीर अफजल क मुताबिक ओ मजदूर क कईटा घर देखलाह। ईश्वर कांप्लेक्स, एहि मकान मे आगि लगा देल गेल छल। पुलिस अपन नाकामी नुकेबा लेल स्थानीय लोक कए मजदूर क खिलाफ भड़का देलक। एकटा स्थानीय अखबार मजदूर विरोधी समाचार प्रमुखता स छपलक। दिया। नतीजा इ भेल जे अपन ऊपर भेल अत्याचार क खिलाफ आवाज उठेनिहारमजदूर कए अपन पड़ोसीक हाथे जुल्म सहय पड़ल।
जामिया मिलिया क एहि टीम क रिपोर्ट मे पुलिस क एकटा आला अधिकारी इ बयान देने छथि जे मजदूर अपने अपन घर मे आगि लगा लेने छलाह। हालांकि लुधियाना क एसएसपी सुखचैन सिंह गिल एहि स इनकार करैत छथि। ओ कहैत छथि जे ईश्वर कांप्लेक्स मे आगि त लागल छल, मुदा आगि लगबाक कारण एखन स्पष्टï नहि भ सकल अछि। सवाल उठैत अछि जे आगि कए लगा देलक। मजदूर या फेर उपद्रवी। आखिर सरकार आ प्रशासन मामला कए दबेबा लेल एकटा पैघ अखबार मे लगातार प्रवासी मजदूर विरोधी खबरि किया छपबा रहल अछि।