नई दिल्ली। बिहार क भागलपुर स हवाई कनेक्टिविटी क सुविधा क मांग पुरान अछि आ इ मांग आब एयर इंडिया क प्रबंधन तक पहुंच चुकल अछि। एहन मे राष्ट्रीय एयरलाइन एयर इंडिया भागलपुर सन किछु छोट शहर लेल उडान शुरू करबाक तैयारी करि रहल अछि।
एयर इंडिया गैर व्यस्त समय मे भागलपुर स उडान लेल परियोजना आ संभावना पर गंभीरता स काज शुरू कए देलक अछि। कंपनी क कहब अछि जे ओ भागलपुर सन किछु छोट शहर कए मेट्रो शहर स जोडबा लेल तैयार अछि। एयर इंडिया क एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहला जे 10 लाख स बेसी आबादी वाला 42टा शहर कए मेट्रो स कनेक्टिवटी क मांग भ रहल अछि। हम एकर व्यवहार्यता अध्ययन करि रहल छी।
अधिकारी कहला जे हम बिहार क भागलपुर, झारखंड क देवघर, उत्तर प्रदेश क आगरा आओर गोरखपुर जइसन शहर स हवाई सेवा शुरू करबा लेल तैयार छी। कहिया धरि शुरू हेबाक प्रश्न पर ओ कहला जे ओहि ठाम क हवाई पटटीक स्थिति आ इ सेहो देखए पडत जे यात्री सेवा लेल अन्य आवश्यक ढांचा केतबा दिन मे तैयार भ सकैत अछि। एयर इंडिया एहि शहर मे उड़ानक परिचालन टि्वन इंजन टर्बोप्रॉप एटीआर या कनाडियन रीजनल जेट विमान क जरिये करबाक विचार केने अछि।