• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

…त भेष बदलि नीतीश चढता सिटी बस पर

May 16, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना| पटना मे सिटी बस विधिवत शुरू भ गेल। सोमदिन भोर मे यात्रीक भीड देखी निगम प्रशासन गदगद भ गेल। एहि सेवाक निरीक्षण समय समय पर मुख्‍यमंत्री करैत रहताह। एहि संबंध मे ओ साफ तौर पर कहला जे एहि सेवा क उपयोग ओ एकटा मुख्‍यमंत्री क रूप मे नहि सामान्‍य जनताक रूप मे करताह। कोनो सरकारी तामझाम क बिना ओ कहियो असगर बस पर सवार भ जेताह। ओ कहला जे शर्ट-पैंट मे जखन हम एहि बस पर चढ़ब त हमरा के पहचान पाउत? वेश बदलि कए हम यात्रा करब इ बस चालक आ खलासी तय मानि लथि। निगम क खस्‍ता हाल पर नीतीश साफ तौर पर कहला जे एहि लेल कियो आन नहि जिम्‍मेदार अछि, खुद निगमक लोक जिम्‍मेदार छथि। अपन अनुभव सुनबैत मुख्‍यमंत्री कहला जे अपन भट्ठा ओ खुद बैसेलक अछि। मुख्यमंत्री कहला-हमर आदत छल जे हम विधायक भेलाक बाद सेहो बस स यात्रा करैत रही। एक बेर बिहारशरीफ मे बैठक छल जे बस स विदा भ गेलहुं। बस पटना स बिहारशरीफ विदा भेल। बीच रास्‍ता मे मजिस्ट्रेट चेकिंग भ गेल। सब यात्री परेशान। बस कए जब्त कैल गेल । बस क कंडक्टर कनि चालक छल। कहलक बस पर विधायक छथि। पहिने त मजिस्ट्रेट साहब ओकरा कहला गेल जे विधायक बस स चलताह, फेर हम जखन अपन परिचय पत्र देखेलहुं त कहल गेल जे -पांच मिनट मे दोसर बस आबि रहल अछि ओहि पर अहां कए बैसा देल जाएत। पांच मिनट मे एकटा खाली बस आबि गेल जे राज ट्रांसपोर्ट छल। निजी बस खचाखच भरल आ सरकारी बस खाली। बुझल जा सकैत अछि जे कोनो डूबाउल गेलनिगम कए। मुख्यमंत्री कहला- निगम क कोना बस नहि चलैत अछि। बस दूरी नापल जाइत‍ अछि अगर बस चलए त घाटा नफा मे बदलि जाएत। निजी बस संचालक एकटा बस कीनलाक तीन साल बाद पांचटा बसक मालिक भ जाइत छथि आ निगम पांचटा बस कीनलाक तीन सालक बाद एकटा बस सडक पर चला रहल अछि। एकरे प्रबंधन कहैत छैक जे निगम मे कतहु नहि देखा रहल अछि।
बिहार मे परिवहन सुविधा कम हेबाक कारण मे सडक क संग संग रंगदारी सेहो रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे मुख्‍यमंत्री बनलाक किछु घंटा बाद एकटा आटो वाला हुनका लग पहुंचल आ कहलक जे रंगदारी क कारण ओ अपन धंधा ठीक स नहि करि पाबि रहल अछि। ओ आटो चालक कए सामने अधिकारी कए बजेलथि आ कहला जे किछु टका संग मे ल एकर संग जा कए रेकी करि आउ। जतए जतए रंगदारी मांगल जाए ओतए टका देने जायब। हां नव नोट नहि राखब किया जे आटो ड्राइवर क लग मे टटका नोट नहि होइत अछि। अफसर गेलाह आ रंगदार क रेकी केलथि। अगिला दिन पूरा टीम पहुंचल आओर रंगदारक जमकए धुनाई भेल। एकर बाद स रंगदारी लगभग खत्‍म भ चुकल अछि।
पटना मे पब्लिक ट्रांसपोर्ट क जरूरत पर मुख्यमंत्री अपन पुरान अनुभव बतेलाह। बात पटना जंक्शन स शुरू भेल आ राजेंद्र नगर पहुंचल। मुख्यमंत्री कहला जे बहुत दिन हम स्टेशन स राजेंद्र नगर आटो मे गेल छी। एहि ठाम पब्लिक ट्रांसपोर्ट क हाल इ अछि जे आटो क ड्राइवर वाला सीट पर बैसब त सामान्य गप अछि। कई बेर हम बैसल छी, किछु ड्राइवर कए एतबो स संतोष नहि होइत छल ओ एकटा आओर सवारी कए हमरा बगल मे बैसा लैत छल। एहि प्रकार स कोनो मे तीन त कोनो मे चारि गोटे आगू क सीट पर बैस जाइत रही। हाल इ छल जे पान-पत्ती क लेल सेहो गाड़ी रुकैत छल बीच-बीच मे। मुदा आशा अछि इ सुविधाक चालू भेला स लोकक कष्‍ट किछु कम होएत।

Tags: citybuspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिला पुत्र क सम्‍मान

Esamaad Epaper Website

बिहार क बदला मे आंध्र कए देल जा रहल अछि अनएलोकेटेड कोटाक बिजली

Esamaad Epaper Website

बिहारक टका समेटबा मे लागल अछि बैंक, कर्ज देबा लेल तैयार नहि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि