पटना। राज्य स्तर क दक्षता परीक्षा मे सफल शिक्षक कए दिसंबर 2009 क प्रभाव स वेतनवृद्धि क लाभ देल जाइत। प्राथमिक शिक्षा उपनिदेशक आरएस सिंह कहलथि अछि जे शिक्षक नियोजन नियमावली क प्रावधान क तहत तीन वर्ष क सेवा पूरा करनिहार प्राथमिक शिक्षक कए हुनकर योगदान क तिथि कए आधार मानैत वेतनवृद्धि क लाभ देल जाइत। प्रशिक्षित शिक्षक कए 500 व अप्रशिक्षित शिक्षक कए 300 टका क इंक्रीमेंट भेटत । जिनकर सेवा तीन वर्ष स बेसी भ चुकल अछि हुनका ओहि अवधि क बकाया इंक्रीमेंट क सेहो भुगतान कैल जाइत। सिंह कहला जे क्षेत्रीय शिक्षा उपनिदेशक आ क्षेत्रीय शिक्षा अधीक्षक कए 19-20 अक्टूबर कए होइवाला राज्यस्तरीय बैठक मे हुनका संबंधित जिला क शिक्षक क परीक्षा परिणाम सौंप कए वेतनवृद्धि करि भुगतान करबाक निर्देश देल जाइत। मूल्यांकन परीक्षा मे फेल करनिहार 224 शिक्षक कए एक बेर फेर छह माह बाद दोसर मूल्यांकन परीक्षा मे शामिल हेबाक मौका दैल जाइत। यदि ओहि मे ओ पास भेला तखने ओ वेतनवृद्धि क हकदार हेताह आ फेल भेलाह त हुनकर सेवा समाप्त करि देल जाइत।