दरभंगा सपनाक शहर रहल अछि। एहि शहर क लोक सपना देखैत रहल आ ओकरा पूरा करैत रहल। एहि शहरक इ चरित्र एकरा आन शहर स अलग करैत छल। इ अलग गप अछि जे पिछला किछु साल स इ शहर सपना देखब बिसरि गेल छल। एहि ठामक लोक लग विजन क अभाव भ गेल। जनप्रतिनिधि लग शहरक विकास लेल कोनो खांका नहि रहैत छल। मुदा शहर फेर सपना देखब शुरू क देलक अछि आ इ सपना देखबा लेल शहर कए बाध्य केलथि अछि नगर विधायक संजय सरावगी। सरावगी लग दरभंगा लेल एकटा विजन अछि जेकर अनुरूप ओ शहरक विकास करबाक लेल प्रयासरत छथि। शहरक विकास कोनो एक व्यक्तिक चाहला स नहि भ सकैत अछि, मुदा विजन साफ रहला स विकास क दिशा निर्धारित कैल जा सकैत अछि आ ओकर मूल्यांकन कैल जा सकैत अछि। अगिला 20-25 साल बाद दरभंगा केहन रहत ताहि पर चर्च करबा लेल आइ जनप्रतिनिधि तैयार छथि इ अपने आप मे एकटा पैघ बदलाव अछि। दरभंगा क विकास लेल कैल जा रहल किछु दीर्घकालिक परियोजना पर विधायक संजय सरावगी स इ’समाद लेल विस्तार स गप केलथि पत्रकार आशीष झा। प्रस्तुत अछि गपशपक किछु खास अंश।
प्र- दरभंगा क विकासक मतलब सडक टा मानल जाए।
उ- नहि, हम सब शहरक सब तरह स विकास करबा मे लागल छी।
प्र- जेना।
उ- शहरक ढांचागत विकास, दरभंगाक प्रमुख पोखरिक विकास, मंदिर क विकास आ दरभंगा कए एकटा विकसित शहर बनेबाक लेल जेहन विकासक जरूरत अछि तेहन विकास। एहन मे दरभंगाक ढांचागत विकास हमर प्राथमिकता मे अछि।
प्र- सबटा कागज पर योजना अछि या जमीन पर उतरबाक उम्मीद कैल जाए। उ- किछु योजना त एहि सालक अंत तक जमीन पर उतरबाक स्थिति मे होएत, किछु योजना अगिला एक दू साल मे जमीन पर देखा जाएत।
प्र- जेना।
उ- दरभंगाक प्रसिद्ध माधेश्वर परिसरक विकास लेल करीब छह करोड टका आवंटित भ आबि गेल अछि। एहि सालक अंत तक एकर टेंडर भ जेबाक चाही। एकर संगहि लक्ष्मीविलास पैलेस क पछुलका पोखरि शहरक असगर पोखरि अछि जे एखनधरि प्रदूषण मुक्त अछि। एहि पोखरिक विकास लेल सेहो करीब 2 करोड टका आवंटित भ आबि चुकल अछि। एहि पोखरि मे मोटरबोट आ रोशनीक व्यवस्था कैल जाएत। जाहि स शहरवासी कए एकटा नीक स्थान भेटत सकत।
प्र- लक्ष्मीविलास पैलेस क पछुलका पोखरि क विकास त अहां क रहल छी, मुदा शहरक तीनटा पैघ पोखरिक विकास लेल कोनो योजना।
उ- ओ तीनू पोखरि त हमर प्राथमिकता सूची मे अछि आ ओकरा लेल करीब 14 करोडक प्रस्ताव बिहार सरकार मंजूर क देलक अछि आ ओ केंद्र सरकार लग मंजूरी लेल गेल अछि। दरभंगा लेक डिवलपमेंट प्रोजेक्ट नामक एहि योजना स तीनू पोखरि क विकास संभव भ सकत।
प्र- इ दू चारि करोड स कोना शहर कए पर्यटन योग्य बनाउल जा सकैत अछि।
उ- कहांक गप सही अछि, मुदा नगर विकास आ पर्यटन विभाग क बजट केतबा अछि सेहो देखल जाए। एहि साल पर्यटन विभागक कुल बजट क करीब एक चौथाई रकम त हम केवल एकटा योजना लेल दरभंगा आनि लेलहुं अछि। ओना सरकार विभाग क बजट बढेबा पर विचार क रहल अछि, उम्मीद कैल जाए ज अगर विभागक बजट बढैत अछि त दरभंगा कए जरूर किछु आओर टका भेटत।
प्र-माधेश्वर परिसरक विकास स सब मंदिर कए फायदा होएत या केवल रामेश्वरी श्यामा क विकास होएत।
उ- देखू, योजना त समस्त परिसर लेल बनल अछि, मुदा कामेश्वरसिंह धार्मिक न्यास पूरा परिसर बिहार सरकार कए नहि देलक अछि। एहन मे तत्काल त पूरा परिसरक विकास संभव नहि भ पाउत। एखन जेतबा बिहार सरकारक हिस्सा मे अछि ओकर विकास लेल करीब पांच करोड टका आवंटित भेल अछि। एहन मे सब मंदिरक विकास संभव नहि भ सकैत अछि।
प्र-मुदा एखन धरिक अनुभव रहल अछि जे दरभंगा मे निर्माण क नाम पर पुरान ढांचागत स्थापत्य कए नजरअंदाज कैल जाइत अछि, एहन मे कामेश्वर नगर क रूप विकृत त नहि भ जाएत।
उ- अहां नीक सवाल केलहु। हमर ध्यान एहि दिस अछि। कामेश्वर नगर क स्थापत्य कला दरभंगाक पहचान छी आ एकरा संग कोनो प्रकारक छेडछाड मंजूर नहि कैल जाएत। हम पोखरिक विकास आ मधेश्वरक विकास क दौरान जे निर्माण होएत ओकरा पुरान स्थापत्य स मिलैत-जुलैत ढांचा देबा लेल आर्टिटेक कए निर्देश द चुकल छी। ओना विश्वविद्यालय एहि दिस उदासीन अछि आ हम पिछला मास विश्वविद्यालय प्रशासन कए कहि चुकल छी जे यूरोपियन गेस्ट हाउस लग भ रहल नवनिर्माण मे इ ध्यान राखल जाए जे नव निर्माण सेहो आसपासक निर्माण जेकां लगबाक चाही। अगर नव ढांचा क स्थापत्य कला पुरान स मेल नहि खायत त पूरा इलाका क शोभा खराब भ जाएत।
प्र- नरगौना पैलेस कए सेहो बहुत दिन स आवासीय बनेबाक मांग भ रहल अछि, अहांक की कहब अछि।
उ- एहि विचारक हम समर्थन करैत छी, मुदा ओ हमर हाथ मे नहि अछि। नरगौना पैलेस विश्वविद्यालयक संपत्ति अछि आ ओकर बारे मे विवि प्रशासन कए सोचबाक चाही। ओना हम व्यक्तिगत रूप स ओकर हालत देखि कए दुखी छी।
प्र- लक्ष्मीविलास पैलेसक दरबार हॉल फेर स जीवंत भ गेल अछि, एहन मे उम्मीद कैल जाए जे नरगौना क डांस हॉल जे उत्तर भारत मे असगर अछि तेकर सेहो उद्धार होएत।
उ- दरबार हॉल त आब जीवंत भ गेल, ताहि मे दू राय नहि, मुदा नरगौना लेल सेहो मिथिला विश्विविद्यालय प्रशासन कए ओहिना सोचबाक चाही जेना संस्कृत विश्वविद्यालय दरबार हॉल लेल सोचलक।
प्र- दरभंगा कए नीक संस्थान हवाई सेवा नहि रहला स नहि भेटल, एहन मे दरभंगा एयरपोर्ट चालू करेबा लेल अहां की क रहल छी।
उ- दरभंगा एयरपोर्ट लेल हम पहिने स सक्रिय छी। दरभंगा एयरपोर्ट कए चालू करेबा लेल हम आगू सेहो प्रयास करब। दरभंगाक सांसद स एहि संबंध मे गप करब, किया त इ केंद्र सरकार आ दिल्ली क मामला अछि। दरभंगा एयरपोर्ट कए खोलब केवल दरभंगा लेल नहि पूरा उत्तर बिहार लेल जरूरी अछि। आइ मोतिहारी हुए बा सुपौल पूर्णिया सब ठामक लोक पटना जाइत अछि हवाई जहाज पकडबा लेल। दरभंगा एयरपोर्ट खुलला स पूरा उत्तर बिहार क लोक कए पटना स लग एकटा एयरपोर्ट उपलब्ध भ जाएत। संगहि एहि इलाका मे नीक संस्थान आ पैघ उद्योग लागि सकत।
प्र-दरभंगा एविएशनक जहाज जे 1963 स प्रधानमंत्री क आधिकारिक जहाज छल, ओकरा पटना बा दरभंगा मे धरोहरक रूप मे रखबाक मांग उठि रहल अछि, एहि पर अहांक की कहब अछि।
उ- जरूर हेबाक चाही, एहि लेल दरभंगाक सांसद कए पहल करबाक चाही, हम त सुझाव देब जे इ मांग कीर्ति जी लग अहां सब राखू। ओना हमरा स जे कहब हम करबा लेल तैयार छी, मुदा इ दिल्ली क गप अछि।
प्र- अहां कहल जे दरभंगाक ढांचागत विकास लेल सेहो योजना तैयार भ रहल अछि, केहन योजना तैयार भ रहल अछि।
उ- दरभंगा मे नालाक समस्या काफी गंभीर अछि। 1935 क बाद कहियो नालाक विकास लेल कोनो ठोस काज नहि भेल। पहिने शहर काफी खाली छल ताहि लेल नाला क संग संग आओर जगह पर जल निकासी भ जाइत छल। आइ अधिकतर नाला क अतिक्रमण भ चुकल अछि। किछु नाला क जमीन कए त राज दरभंगा लोक क हाथे बेच देने अछि एहन मे ओकर चौडाई बढायब नगर निगम लेल कठिन अछि। पिछला 20-25 साल मे दरभंगाक नाला संरचना पूर्णत: ध्वस्त भ गेल। एहन मे शहर लेल नव रूप मे नाला क निर्माण एक मात्र विकल्प अछि। संगहि इ देखब सेहो जरूरी अछि जे ओ निर्माण अगिला 20-25 साल तक शहर कए जल जमाव स मुक्त राखि सकए। किया त एखन जे नाला शहर मे मौजूद अछि ओ 1935 क आधार पर बनल अछि। आइ शहरक आबादी आ शहरक विस्तार दूनू 1935 क मुकाबला मे काफी बदलि चुकल अछि। ताहि लेल हम प्रयासरत छी जे शहर लेल ठोस रूप स योजना बनाउल जाए। बिहार सरकार दरभंगाक नाला संरचनाक निर्माण लेल एशियन विकास बैंक स मदद मंगने छल, जे स्वीकृत भ गेल अछि। दरभंगा सीवरेज एंड डेनेज प्रोजेक्ट लेल एशियन विकास बैंक कर्ज मुहैया करेबा लेल तैयार भ गेल अछि। इ परियोजना करीब 600 करोडक होएत। दरभंगा शहर लेल इ एखन धरिक सबस पैघ आ महत्वाकांक्षी परियोजना अछि। एशियन विकास बैंक बहुत जल्द एकरा लेल कंसल्टेंट नियुक्त करत। उम्मीद कैल जाए जे एहि पर 2013-14 मे काज शुरू भ जाएत।
प्र- अहां कहल जे अगिला 20-25 साल लेल, मुदा दरभंगाक मास्टर प्लान 2030 जे तैयार भेल अछि ओ त पांच साल जोकर नहि अछि।
उ- इ सही कहल अपने, दरभंगाक मास्टर प्लान सही रूप मे तैयार नहि कैल गेल अछि। 2030 धरि जे शहरक विस्तार देखाउल गेल अछि ओतबा दूर त शहर एखने पसरि चुकल अछि। मास्टर प्लान क अनुसार दरभंगाक पूर्व मे विस्तार मोहनपुर स किछु आगू तक देखाउल गेल अछि जखन कि शहर एखने ओहि स काफी आगू जा चुकल अछि। ताहि लेल फेर स मास्टर प्लान तैयार करबा रहल छी। नवका प्लान एहि साल अक्टूबर-नवंबर तक आउत। लोकक आपत्ति आमंत्रित कैल जाएत आ मार्च तक प्लान कए अंतिम रूप देल जाएत।
प्र- 2025 क दरभंगा हम केहन देखब।
उ- निश्चित रूप स एकटा विकसित आ सुंदर शहर क रूप मे।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
Ummeed par duniya kayam chhai.
US tax agency IRS, Swiss bank UBS ke employee ke $104 pay kai raha achai. Ehne whisleblower law India men seho homak chahi. Asha karait chhee e-Samad ekra janata ke samne anat.
Once Jailed Banker Gets $104 Million Whistleblower Payout
http://www.cnbc.com
Attorneys for jailed former Swiss banker Bradley Birkenfeld announced Tuesday that the IRS will pay him $104 million as a whistleblower reward for information he turned over to the US government.
http://www.fas.org/sgp/crs/natsec/RL33918.pdf
Kichhu karu mla ji khali gapp dela as kaaj nahi chalat