• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा नेशनल स्‍कूल बनत स्‍वतंत्रता स्‍मारक

March 31, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रीतिलता मल्लिक
पटना। 1920 मे स्‍थापित दरभंगा नेशनल स्‍कूल स्‍वतंत्रता स्‍मारक बनत। एहि गपक जानकारी विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी देलथि अछि। श्री चौधरी विधान पार्षद मे एहि स्‍कूलक जर्जर हालत पर सवाल करैत सरकार स एकरा स्‍मारक बनेबाक मांग केने छलाह। श्री चौधरी क एहि मांग कए विधान परिषद क अधिकतर सदस्‍य समर्थन केलथि। करीब दू घंटा तक चलल एहि मामला मे श्री चौधरी कहला जे इ स्‍कूल भारतक स्‍वतंत्रता आंदोलनक गवाह मात्र नहि अछि, बल्कि एहि स्‍कूल स नेपालक लोकतंत्र क बाट सेहो खुलल अछि। श्री चौधरी कहला जे एहि स्‍कूलक गौरवशाली अतित कए देखैत एकरा एकटा भव्‍य स्‍वरूप प्रदान कैल जाए। श्री चौधरी क एहि मांग पर सरकार दिस स उत्‍तर दैत कला आ संस्‍कृति मंत्री सुखदा पांडेय कहलथि जे इ मामला हुनक विभाग स संबंधित नहि अछि ताहि लेल एहि पर मानव संसाधन विभाग गौर करए। मानव संसाधन विभाग क मंत्री कहलथि जे इ भवन निर्माण विभाग स संबंधित अछि, ताहि पर विधान परिषद क सभापति हस्‍तक्षेप करैत कहला जे एहि स्‍कूल कए स्‍वतंत्रता स्‍मारक घोषित कैल जाए आ संबंधित विभाग एकरा लेल संयुक्‍त रूप स योजना तैयार करए। विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा कहलथि जे पांच अप्रैल कए तीनू संबंधित विभाग एहि मामला पर बैसार करू आ एहि बैसार मे विधान पार्षद विनोद चौधरी कए सेहो शामिल करू। ओ कहला जे सब गोटे मिल कए एकरा कोनो संरक्षित कैल जा सकैत अछि तेकर योजना बना जल्‍द स जल्‍द क्रियान्वित कैल जाए।
ज्ञात हुए जे महात्मा गाँधी क आदेशानुसार स्वतंत्रता सेनानी कमलेश्वरी बाबू क देख -रेख मे दरभंगा शहर क मध्य (दरभंगा टावर लग) एकटा राष्ट्रीय विद्यालय (नेशनल स्कूल )क स्थापना 1920 मे भेल छल l एहि स्कूल स अनेकानेक मेधावी आ राष्ट्र भक्त छात्र भेल छथि l स्व .मात्रिका प्रसाद कोइराला ,भूतपूर्व प्रधानमंत्री, नेपाल सेहो एहि स्कूल क छात्र छलाह l इ स्कूल 1930 स 1947 तक स्वतंत्रता आन्दोलन क मुख्य केंद्र छल l दरभंगा क असहयोगी नेता ब्रज किशोर प्रसाद आ बाबू धरनीधर एहि विद्यालय कए सत्याग्रह सम्बन्धी सबटा प्रमुख्य क्रिया -कलाप क केंद्र बना रखने छलाहl पं.राम नन्दन मिश्र आ हुनक कनिया क प्रेरणा स 1929 मे एकटा युवक संघ क स्थापना दरभंगा मे स्व .कमलेश्वरी बाबू केने छलाह, जेकर मुख्यालय एहि स्कूल कए बनाउल गेल छलl महात्मा गाँधी ,डॉ.राजेन्द्र प्रसाद ,जयप्रकाश नारायण ,गुलजारी लाल नंदा ,सत्यनारायण सिन्हा ,कर्पूरी ठाकुर सहित अनेक स्वतंत्रता सेनानी आन्दोलन क दौरान एहि ठाम आबि चुकल छथिl इ समाद लगातार एहि स्‍कूलक जर्जर भवन क दशा देखबैत रहल अछि। आइ एकर भवन खसबाक स्थिति मे अछि l अगर बिहार सरकार एहि स्कूल कए स्वतंत्रता संग्राम स्मारक क रूप मे विकसित करैत अछि त निश्चित रूप स इ एकटा पर्यटन केंद्र बनत। प्रो. विनोद कुमार चौधरी क एहि प्रयास स दरभंगा खुश अछि।

Tags: Bihardarbhangapatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

महिला प्राथमिक शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय कए भेटल अपन परिसर

Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास मे भागीदार बनबाक इच्छुक अछि ब्रिटेन

Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल अतिरिक्‍त बिजली

Comments 1

  1. Aditya Mishra says:
    13 years ago

    kaafi harsha bhel ei suni ke….Hamhu ei jagah se judal chhi

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि