सुनील कुमार झा
नई दिल्ली। बिहार सरकारक नबका ओद्यौगिक नीति स उत्साहित निवेशक क रुझान दरभंगा दिस बेसी बढ़ल अछि। प्रकृति क देन कहियो आ की दरभंगाक लोगक नसीब मुदा निवेशक मामला मे दरभंगा धीरे धीरे आगू बढि रहल अछि। ओना त पूरा बिहार मे कारखाना नहि रहल मुदा दरभंगा मे शपथ खेबा लेल सेहो कारखाना नहि अछि। एहन मे इ किछु प्रस्ताव पानीक फूहाड जंका सकून द रहल अछि। दरभंगा क चर्च एखनो एहि ठाम क मजदूर आ बाढि लेल होइत अछि। मुदा एहि चर्चक बीच दरभंगा मे साइकिल कारखानाक समाद सब कए रोमांचित केलक। लोकक ध्यान दरभंगा पर गेल आ आन निवेशक सेहो दरभंगा मे संभावना तकबा लेल उत्सुक भेलाह। दरभंगा मे निवेश लेल वातावरण तैयार भ रहल अछि। सडक आ रेल मार्ग स जुडल इ शहर जल्द हवाई मार्ग स सेहो जुडि रहल अछि। किछु क्षेत्र एहन अछि जाहि मे कच्चा माल एहि ठाम सुगमता स उपलब्ध भ सकैत अछि। एहन मे निवेशकक ध्यान दरभंगा मे जायब स्वभाविक अछि। एखन धरि जे प्रस्ताव सरकार कए भेटल अछि ओ दरभंगा क ओद्यौगिक शहर बनेबाक पहिल डेग छी। किया जे प्रसतावित निवेश छोट छोट जरूर अछि मुदा इ निवेशक बाट खोलबा मे महत्वपूर्ण भूमिका मे रहत। जेना कि इ’समाद कए जानकारी भेटल अछि जे
ऑकपेट बाइसाइकिल्स दरभंगा मे साइकिल एसेम्बलिंग कारखाना खोलत जे चीन स कल-पुर्जा मंगा कए एता साइकिल क एसेम्बलिंग करत। एहिना दुर्गा एगोनोमी प्राइवेट लिमिटेड दरभंगा क दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट मे आठ मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क चाउर मील आ दू सौ मैटिक टन क्षमता क गौदाम बनाउत। तहिना मेसर्स कुमार इंडस्ट्रीज दरभंगा क बेला इंडस्ट्रीज एस्टेट मे 150 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क हिसाब स नूडल उत्पादन क कारखाना खोलत। जखन कि किसान फ़ूड प्रोसेसिंग उद्योग बेला क न्यू इंडस्ट्रीज मे दू मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क आधुनिक चाउर मील, एक मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क राईस फ्लेक्स आ 0.5 मैटिक टन मीटर टन प्रति घंटा क क्षमता क कॉर्न फ्लेक्स क कारखाना खोलत। एकर संगहि एक्वा हनी इंडस्ट्रीज दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट दरभंगा मे 72 लाख लीटर प्रति दिनक क्षमता क बोतलबंद पानी क कारखाना खोलत। आ मेसर्स रंजन प्रोडक्ट दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट दरभंगा मे 72 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क मसाला निर्माण आ 120 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क बेसन आ सत्तू निर्माण क कारखाना खोलत। एकर अलावा सेहो कईटा प्रस्ताव पर गप भ रहल अछि जाहि मे किछु खास क संबंध मे कहल गेल अछि जे मेसर्स सौम्या इंडस्ट्रीज 45 लाख लीटर प्रति वर्ष क क्षमता क डिब्बाबंद पानी क कारखाना दरभंगा मे खोलत। एहि प्रस्ताव मे स बहुत रास प्रस्तावक जमीन पर दर्शन एहि सालक अंत तक भ जाएत, जखन कि किछु कारखाना अगिला साल तक शुरू होएत। जानकार क कहब अछि जे इ सबटा निवेश लगभग 2हजार करोडक आस पास अछि, मुदा एहि स पैघ गप इ जे इ लाख करोडक बाट खोलि रहल अछि। जे आगू चलि कए दरभंगा कए निवेश लेल एकटा नीक विकल्प बना देत।
दरभंगा क औद्योगिकीकरक करबाक प्रयास प्रशंसनीय आ स्वागत योग्य अछि । दरभंगाक संग सीतामढी आ मुजफ्फरपुर में सेहो उद्योग लगेबाक प्रस्ताव अछि । बिजली पर जोँ विशेष ध्यान देल जाय त निवेश क मात्रा में और बढोतरी भ सकैत अछि ।