हनुमाननगर क गोढ़ियारी गामक रहल दबदबा, जुटल हजार क हजार भीड
दरभंगा। जिला स्थापना दिवस समारोह क तहत भेल साइकिल रेस प्रतियोगिता क दूनू वर्ग मे हनुमाननगर क गोढ़ियारी गाम दबदबा रहल। एहि गाम क सतीश कुमार आ आरती कुमारी अपन अपन वर्ग मे पहिल स्थान पौलथि। विद्यापति उच्च विद्यालय स मैट्रिक क परीक्षा पास करि सतीश फिलहाल पालिटेकनिक क तैयारी करि रहल छथि। जखन कि
आरती कुमारी आईआईटी क तैयारी मे जुटल छथि। 275 प्रतिभागी मे पहिल स्थान आनि आरती कईटा मिथक कए एकसंग तोड़ि देलथि अछि। आरती नौवींक छात्रा छथि। एहि अवसर पर जिलाधिकारी संतोष मल्ल कहला जे साइकिल रेस प्रतियोगिता मे युवा सब जेना जोश देखेलथि अछि ताहि स एहि ठामक माटी स उभर नव जोश क सबूत भेटैत अछि। एहि अभूतपूर्व आयोजन मे भागीदार क तादाद आ सफलता पेबा लेल देखाउल गेल जोश राज्य क विकास क लेल सेहो नव संदेश देलक अछि। प्रतियोगिता क उद्घाटन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क कुलपति डा. एसपी सिंह केलथि। नगर विधायक संजय सरावगी कहला जे साइकिल रेस क जोश स इ संदेश भेटल जे एहि ठामक युवा विकास क रेस मे आगू रहबाक किरिया खा चुकल अछि।
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क डा. नागेन्द्र झा स्टेडियम मे आयोजित भेल एहि प्रतियोगिता कए लकए उत्सवी माहौल छल। हजार क हजार दर्शक सडकक दूनू भाग जमा छलथि, प्रशासन पूरा सतर्क आ चौकस छल। रेस क मार्ग मे सुरक्षा क व्यापक इंतजाम कैल गेल छल। दरभंगाक लोकक टीस बस एतबा रहल जे जिा मे एहि तरहक भेल पहिल रेस मे सांसद कीर्ति झा आजाद गायब छलाह, जखन कि ओ एकटा खिलाडी छथि आ जिलाक लोक कए उम्मीद छल जे खेल कए बढाबा देबा लेल ओ एहि मौका पर अपन जनताक संग रहताह, मुदा एहन नहि भेल, उलटा ओ दिल्ली मे बैस एहि आयोजन स एक दिन पूर्व जिलाक एकटा खिलाडी पर धमकी आ रंगदारी मांगबाक आरोप लगा मीडिया मे छपबाक मनोरथ पूरा केलथि।