दरभंगा। अपार्टमेंट स वंचित दरभंगा क इ कसक दूर भ गेल। शहर में जल्द अपार्टमेंट क सपना साकार भ जाएत। एकरा लेल नींव पूजा भ गेल। वैदिक रीति स पूजा-अर्चना क संग एकर आधारशिला गोपी एस्टेट एंड इंफ्रा प्रालि क धर्मेद्रनाथ ठाकुर क संग रवि पटवा संयुक्त रूप स रखलथि। जिला क बहेड़ी निवासी श्री ठाकुर कहला जे अपन पिता क नाम पर शुरू गोपी एस्टेट स गुजरात आ महाराष्ट्र मे ओ एखन धरि दसटा टाउनशिप विकसित क चुकल छथि। ओतहि दसटा पर काज जारी अछि। ओ कहला जे दरभंगा मे तीन ठाम प्रोजेक्ट शुरू करबाक योजना अछि। पहिल टावर पर लेल नींव पूजा भ गेल। ओ कहला जे टावर क अलावा बेला आ लहेरियासराय टावर क निकट सेहो 65-65 फ्लैट क एपार्टमेंट बनेबाक योजना अछि। दरभंगा टावर पर ओ कहला जे चारि महल क एपार्टमेंट मे 48टा फ्लैट होएत। ग्राउंड फ्लोर पर पार्किंग क व्यवस्था होएत। एहि मे रोड, पानी, होटल समेत तमाम उम्दा बुनियादी सुविधा होएत। लिफ्ट क संगहि 24 घंटा बिजली क व्यवस्था सेहो होएत। श्री ठाकुर कहला जे ओ स्थानीय मारवाड़ी कालेज स बीएससी क डिग्री लेने छथि। दवा कंपनी क रिप्रेजेंटेटिव क रूप मे अपन कैरियर शुरू करनिहार श्री ठाकुर मुंबई स एमबीए केने छथि। श्री ठाकुर क आइ अपन दवाई कंपनी अछि आओर वो फिल्म निर्माण सेहो केने छथि। ओ कहला जे आगामी अप्रैल क प्रथम सप्ताह मे हुनकर फिल्म ‘कसम से कसम से’ रिजील भ रहल अछि। दरभंगा मे टाउनशिप विकसित करबाक पाछु ओ कहला जे इ सिर्फ व्यवसायी दृष्टि से नहि, बल्कि मातृभूमि क सेवा क भाव स सेहो क रहल छी। आगू बिहार क अन्य जिला मे सेहो इ प्रयास करब।
pls send the map of location and brochure of 2/3bhk including rate per sqft
and map of covered area.
regards
sanjeev