दरभंगा । लगभग सवा करोड़ क लागत स दरभंगा जंक्शन पर रैक प्वाइंट बनाउल जाइत। एकरा लेल रनशिक स्वीकृत भ चुकल अछि। पूर्व मध्य रेलवे मुख्यालय हाजीपुर डीआरएम कुंदन चौधरी क प्रस्ताव पर रैक प्वाइंट कए व्यापारी क उपयोग क लायक बनेबा लेल उन्नयन कार्य क लेल करीब सवा करोड़ क दू टन योजना कए स्वीकृति प्रदान करि देलक अछि। रेल मंडल समस्तीपुर क वरीय डीसीएम सह पीआरओ जफर आजम एकर पुष्टि करैत कहला जे दरभंगा क रैक प्वाइंट कए आम व्यापारी क लायक बनेबा लेल 25 लाख व 99.58 लाख क दू टन योजना कए स्वीकृति भेटल अछि। एहि राशि स टर्मिनल, कवर्ड शेड, बेहतर संपर्क पथ, मर्चेट रूम आदि बनाउल जाइत। एखन इ रैक प्वाइंट पर मात्र स्टोन चिप्स उतारल जा रहल अछि। सीमेंट आ चीनी क संग हि बोरा मे बंद अन्य सामान क लेल पक्का फर्श जरूरी होइत अछि। जेकर व्यवस्था एहि योजना मे शामिल छै । आजम कहला जे दरभंगा रैक प्वाइंट जखन तैयार भ जाइत त लहेरियासराय रैक प्वाइंट कए दरभंगा स्थानांतरित करि देल जाइत। लहेरियासराय रैक प्वाइंट क प्लेटफार्म क उपयोग यात्री ट्रेन क लेल भ सकत। एखन ओहि ठाम मात्र एक प्लेटफार्म यात्री लेल अछि। आजम कहला जे दरभंगा रैक प्वाइंट क दूनू दिस राष्ट्रीय उच्च पथ जा रहल अछि, जाहि स माल ढुलाई क लेल वाहन क आवागमन मे सेहो सहूलियत होयत। उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा मे रैक प्वाइंट नहि रहला स दरभंगा क व्यापारी कए काफी परेशानी होइत छैन।