दरभंगा। दरभंगा स न्यू जलपाईगुड़ी क लेल एकटा साप्ताहिक गाड़ी क शुभारंभ भ गेल। दरभंगा जकसन पर झंडी देखा एहि गाडी कए विदा कैल गेल। एहि अवसर पर समस्तीपुर क वरिष्ठ मंडल वाणिज्य प्रबंधक कहला जे कुहासा क कारण बंद लिच्छवी एक्सप्रेस क परिचालन सेहो 31 जनवरी स शुरू भ जाएत।
एकर संगहि सीतामढ़ी-बैरगनिया आ सीतामढ़ी-रुन्नीसैदपुर रेलखंड पर 31 जनवरी कए स्पीड ट्रायल क तैयारी अछि। यदि सब किछु ठीक-ठाक रहल त इंजीनियरिंग विभाग क मुख्य संरक्षा आयुक्त सात फरवरी कए लाइन क निरीक्षण करताह आ एकर बाद एहि रेल मार्ग पर ट्रेन दौड़त।