भागलपुर। बिहार मे जल मार्ग कए विकासित करबाक योजना पर तेजी स काज भ रहल अछि। एकर तहत आब 24 घंटा गंगा मे जहाज चलेबा लेल पहल कैल जा रहल अछि। केंद्रीय पोत परिवहन, सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय एहि प्रयास मे अछि जे सड़क आओर रेल जेकां जलमार्ग स यात्रा सेहो लोकप्रिय हुए। 24 घंटा जलमार्ग परिवहन योजना क तहत फरक्का स ल कए वाराणसी तक गंगा मे राति मे जहाज चलेबा क बंदोबस्त क काज पूरा करि लेल गेल अछि। परीक्षण क तहत एहि मार्ग पर राति क समय मे जहाजक परिचालन सेहो शुरू भ चुकल अछि। राति क अंधकार मे जहाज कए दिशा देखेबा क जिम्मा नाविक कए सौंनल गेल अछि। जलमार्ग क रख-रखाव आदि क काज भारतीय अंतर्देशीय जलमार्ग प्राधिकरण करैत अछि। गंगा मे प्रत्येक एक किलोमीटर क दूरी पर बांस क खंभा गाडल गेल अछि। ओकरा एक कात हरियर आ दोसर कात लाल रंग स रंगल गेल अछि। एकर अलावा राति क समय नाव पर सोलर लाइट क व्यवस्था अछि। नाविक नाव पर सोलर लाइट ल कए जहाज एबाक समय निर्धारित स्थान पर गंगा मे खड़ा होइत अछि। लाल आ हरियर रंग क लाइट जहाज कए सिग्लन दैत अछि। एहि एवज मे नाविक कए प्रतिमाह 3500 टका बतौर मानदेय दैल जा रहल अछि।