भागलपुर । दिल्ली क लेल गरीब रथ क परिचालन भागलपुर स शुरू भ गेल। एहि ट्रेन क निर्धारित तिथि स परिचालन शुरू भेला स शहरक लोक गदगद छथि। ओना लोक कए एहि गपक आभास तखने भ गेल छल जखन मंगलदिन एकरा लेल कम्प्यूटर स आरक्षण भेटब शुरू भेल छल। कंप्यूटर मे फीड भेलाक बाद सबस पहिल टिकट भागलपुर क सांसद शाहनवाज हुसैन कटवैने छलाह। सहायक वाणिज्य प्रबंधक (एसीएम) जगन्नाथ प्रसाद कहला जे एहि ट्रेन मे कुल 19टा डिब्बा अछि। सबटा बोगी वातानुकूलित अछि। जाहिमे स 13टा एसी थ्री, तीन चेयरकार, दो एसएलआर आ एकटा कंपोजिट कोच अछि। प्रत्येक थ्री एसी कोच मे 75टा बर्थ आ चेयरकार मे 102टा सीट अछि। जी-12 आ जी-13 क बीच एकटा जीडी-वन कोच अछि। एहि मे कुल चारिटा सीट अछि। पटना स आनंद विहार तक चारू सीट आरक्षित अछि। एसीएम कहला जे दोसर एक्सप्रेस ट्रेन क तुलना मे तत्काल सेवा (टिकट) क चार्ज कम अछि। थ्री एसी क तत्काल सेवा 200 आ चेयरकार मे 129टका अछि। जखनकि आन मे इ चार्ज 300 टका अछि।