पटना। किछु साल पहिने तक भूतबंगला बनल रहनिहार राज्य क औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान (आईटीआई) एक बेर फिर शिक्षा क मंदिर क रूप मे विकसित भ रहल अछि। राज्य क विभिन्न संस्थान स उत्तीर्ण भेलाक बाद छात्र कए नौकरी क तलाश मे आब भटकबा लेल मजबूर नहि हुए पडि़ रहल अछि। देश क कोने-कोने स कंपनी एहि ठाम कैंपस इंटरव्यू ल हुनका नियुक्ति पत्र प्रदान करि रहल अछि। राज्य क सबस पैघ औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान, दीघा मे कैंपस सेलेक्शन भेल। छात्र क सेलेक्शन दू चरण मे कैल गेल। पहिल चरण मे ओहि छात्र क चयन भेल जे पिछला साल संस्थान स उत्तीर्ण भेल छलथि। दोसर चरण मे एहि वर्ष परीक्षा देनिहार छात्र क चयन भेल। राज्य क विभिन्न आईटीआई स पूर्व मे सफलता प्राप्त करिनिहार लगभग 465 छात्र कए नियुक्ति पत्र प्रदान कैल गेल अछि। एहि मे दक्षिण भारतीय कंपनी श्रीबाला जी वेल्ड टेक, एन.एस. इंजीनियरिंग आ सिथार वेसेल्स लिमिटेड प्रमुख अछि। कुल चयनित छात्र मे 275 फीटर, 185 वेल्डर आ 5टा टर्नर ट्रेड स छथि। एहि स पूर्व हीरो होण्डा, बैक्स्टर इण्डिया, गैमन इण्डिया आ पावर टेक कैंपस सेलेक्शन केने छल। एनएस इंजीनियरिंग क मुख्य कार्यकारी अधिकारी पीएल सुन्दरम क कहब अछि जे बिहार क युवा काफी परिश्रमी होइत छथि। एहि कारण स हम सब अपन या अन्य राज्यक लोक स बेसी बिहारी कए पसंद करैत छी आ अन्य प्रदेश कए छोडि़कए बिहार अबैत छी। दीघा आईटीआई क प्राचार्या आशा सिंह क कहब अछि जे बदलल माहौल क परिणाम अछि जे छात्र आईटीआई क डिग्री लकए नौकरी क तलाश मे भटकैत रहैत छलाह, आइ नौकरी देनिहार हुनकर दुहारि पर आबि रहल छथि।
आशा सिंह क कहब अछि जे बिहार क आईटीआई संस्थान पर देश क नजरि अछि। देश क कोन-कोन स कंपनी प्रशिक्षित छात्र क लेल सम्पर्क करि रहल अछि। हाल क दिन मे एका सबस पैघ बदलाव इ आयल अछि जे पहिने हम कंपनी क शर्त पर छात्र कए पठबैत रही, मुदा आब पासा पलटि गेल अछि आब हम अपन शर्त पर कंपनी कए एहि ठाम बजबैत छी।