• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दूटा समाद मे नुकायल हजारटा संदेश

January 4, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह

बिहार स आबि रहल दूटा समाद एक प्रकार स हजार टा संदेश द रहल अछि। पहिल समाद पूर्णिया स अछि ओह‍ि ठाम एकटा महिला भाजपा विधायक कए चाकू स हमला कर‍ि मारी देलक, विधायक पर ओहि मह‍िला संग यौनशोषणक आरोप छल आ पुल‍िस ओकर जांच कए रहल छल। दोसर घटना सासाराम स अछि, एहि ठाम एकटा माइ अपन बेटा क खिलाफ गवाही द नव आदर्श प्रस्‍तुत केलथि अछि। हुनकर गवाही स इ तय भ गेल जे हुनकर पुतहूक हत्‍या आर कियो नह‍ि हुनकर बेटा केने अछि। देश मे एहन एखन धर‍ि दोसर कोनो हत्‍याक मामला नह‍ि सामने आयल अछि जतए कोनो माईक गवाही पर बेटा कए उम्रकैदक सजा भेटल हुए। बिहार मे भेल इ दूनू घटना अपना आप मिसाल अछि। समाज मे भ रहल बदलाव कए किछु लोक न्‍यायपाल‍िकाक नजर‍ि स गलत करार द सकैत छथि, मुदा इ एकटा सामाज‍िक बदलाव कए रूप मे देखल जेबाक चाही।
दरअसल दूनू मामला अनैतिक संबंध स जुडल अछि। दूनू मामला मे नारी कए सम्‍मान कए गला घोटल गेल। दूनू मामलाक प्रतिकार आक्रोश कए उबाल मे आयल। इ अलग गप अछि जे एकटा मामला मे कानून क मदद लेल गेल त दोसर मामला मे कानून अपन हाथ मे ल फैसला सुना देल गेल।
पहिल घटना सासाराम स अछि। कहल जाइत छल जे मौगीक सबस पैघ दुश्‍मन मौगी होइत अछि, मुदा जखन नारीक अस्‍तित्‍व क सवाल पैदा भ जाइत छैक तखन मौगी चंडीक रूप धारण कए लैत अछि आ एहन मे ओकरा लेल सामने बेटा अछि या पति मायने नह‍ि रखैत अछि। सासाराम कोर्ट मे रोहतास जिला क धावा गाम निवासी गंगाजल कुंअर जे कहलथि ओ हाल फि‍लहाल कोनो सिनेमा या सीर‍ियल मे सेहो देखबा मे नहि भेटल छल। ओ अपन बेटा क खिलाफ गवाही दैत कहलीह जे ओ अपन आंखि स देखने छथि जे कोना हुनकर बेटा हुनकर पुतहू कए कत्‍ल केने अछि। नाजायज संबंध क विरोध करबा पर निर्मला देवी कए हुनकर पति चंदेश्वर चौधरी गोली मारि देने छलाह। इ अन्याय गंगाजल कुंअर कए बर्दाश्त नहि भेल छल, मुदा ओ चुप छलीह। वहशी बेटा हुनको गोली मारि देबाक धमकी देने छल। इ घटना 10 अक्टूबर, 2000 कए दस बजे रात क अछि।
दोरस दिस पूर्णियाक विधायक राजकिशोर केसरी क हत्या चाकू स भेल। हत्या आरोपी महिला ओहि ठाम स भागबाक प्रयास सेहो नह‍ि केलक। विधायकक चमचा सब महिला कए पीट-पीट कए अधमरा करि देलक। सवाल उठैत अछि जे बिहार सन राज्‍य मे नेता द्वारा महिलाक यौनशोषण कोनो नव गप नह‍ि अछि। पुलिस जाहि रूप मे एहन मामलाक जांच करैत अछि ओ सेहो ककरो स नुकायल नह‍ि अछि। पिछला किछु मास मे आम लोक कए न्‍यायपाल‍िका पर स भरोस उठ‍ि रहल अछि। जज कए उपर रोज लागि रहल नव आरोप एह‍ि विश्‍वास कए आओर कमजोर बना रहल अछि। एहन मे मौगी लग इ रास्‍ता, मामलाक निराकरण स बेसी आक्रोश जतेबा लेल अपनाउल जा सकैत अछि। कोनो हाल मे कियो हत्‍या सन कार्रवाईक पक्ष नहि ल सकैत अछि। हम सेहो एकर पक्ष लेबाक पक्ष मे नह‍ि छी, मुदा जे हालात पैदा भ चुकल अछि ओहि मे इ एकटा आक्रोशक परिणाम अछि आ समाज आओर सरकार कए एहि आक्रोश कए खत्‍म करबा लेल ठोस डेग उठेबाक जरूरत अछि।

Tags: बिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

तिवारीक आरोप स सहमल शिक्षा विभाग

ई प्रतिघात बहुत किछ कहैत अछि !

शौचालय क अभाव मे सवा करोड़ क आईसीयू क उदघाटन अटकल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि