प्रीतिलता मल्लिक
पटना । ढील वरदी, मोट चरबी। बिहार पुलिस क इ लुक आब शायद नहि भेटत। राज्य सरकार पुलिसकर्मी लेल बेहतर ट्रेनिंग क व्यवस्था करि लेलक अछि। आब नीक माहौल मे हुनकर स्कूलिंग होएत। एकरा लेल हाइ वालिटी ट्रेनिंग सेंटर क निर्माण भ रहल अछि। 136 एकड़ मे राजगीर मे पुलिस अकादमी तेजी स बनि रहल अछि। लागत 206 करोड़ अछि। ढाई साल मे इ बनि कए तैयार भ जाएत। चार किलोमीटर मे अकादमी क चहारदीवारी बनि चुकल अछि। देश-दुनिया क चुनिंदा पुलिस अकादमी मे स इ एकटा होएत। राजधानी स एकर दूरी केवल 90 किलोमीटर अछि। राजगीर-छबीलापुर सड़क पर एक कात पुलिस अकादमी बनि रहल अछि त दोसर कात नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क विशाल परिसर तैयार भ रहल अछि। सितंबर स मुख्य भवन क निर्माण शुरू होएत। सीपी कुकरतो कए कंसल्टेंट छथि। कैंपस क 90 प्रतिशत भाग खुलल रहत आ मात्र 10 फ़ीसदी एरिया मे निर्माण होएत। एहि ठाम तीस प्रतिशत बिजली गैर पारंपरिक स्रोत स उत्पादित होएत। एहन मे जतए जेतबा बिजली क जरूरत होएत, ओहि स तीस फ़ीसदी कम मे काज चलि जाएत। भवन एहन बनाउल जा रहल अछि जाहि मे भीतर क तापमान बाहरी तापमान स कम-स-कम 10 डिग्री सेल्सियस कम रहत। वर्षा भेला पर एक बूंद पानी कैंपस मे नहि ठहरत। कोल डस्ट आ सीमेंट मिश्रित ईंट क उपयोग भ रहल अछि। भारत सरकार क ग्रीन रेटिंग फ़ार इंटीग्रेटेड हैबिटेट एसेसमेंट (ग्रिहा) एकरा फ़ाइव स्टार ग्रेडिंग केलक अछि। देश क 15 टॉप ग्रीन बिल्डिंग मे एहि अकादमी क भवन सेहो होएत। एकर संगहि एहि ठाम अंतरराष्ट्रीय स्तर क कन्वेंशन, खेल प्रतियोगिता आ सेमिनार करेबा लेल विश्वस्तरक व्यवस्था होएत। अकादमी मे एकटा मुख्य भवन क संग संग एक हजार पुलिस अधिकारी क बैसबा योग्य क्लास रूम, ऑडिटोरियम, गेस्ट हाउस सेहो होएत। कैंपस मे दू टा पैघ स्टेडियम, दू टा परेड ग्राउंड, इनडोर आ आउटडोर फ़ायरिंग रेंज, मोटर ट्रांसपोर्ट, घुड़सवारी क सुविधा सेहो होएत। कैंपस मे 15 सौ लोकक क्षमता वाला छात्रावास, अस्पताल, कर्मी क बच्चा लेल स्कूल, श्वान दस्ता, जीप ड्राइविंग आ यातायात क ट्रेनिंग सुविधा सेहो होएत। राजगीर पुलिस अकादमी मे नवनियुक्त दारोगा स ल कए नव आइपीएस अधिकारी कए ट्रेनिंग क सुविधा होएत। सिपाही-हवलदार कए सेहो डयूटी क दौरान देल जाइवाला ट्रेनिंग एहि अकादमी मे देल जा सकत। ट्रैफ़िक पुलिस कए सेहो प्रशिक्षण देल जाएत।
bahut khusi ke baat sanghi nitish jee ke sayad (PCR) Patna aur aas-paas ke shetrak siwa aur sayad kicchu nahi dekhay parait chhain. hunka lel sayad Biharak matalab (PCR) me manukha raith achhi banki jagah janwar sabhak waas chhaik.