मोतिहारी (पू.च.)। सेना क डिप्टी डायरेक्टर आ बिहार-झारखंड क प्रभारी ब्रिगेडियर आरजे शर्मा कहलथि जे नक्सल प्रभावित इलाका मे ट्रेनिंग सेटर खोलल जाइत। ओ कहलथि जे नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे सेना क बहाली क प्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि, जेहि मे स्थानीय नौजवा कए विशेष तरजीह देल जा रहल अछि। गुमराह युवक कए ध्यान सेना बा राष्ट्र क सेवा क प्रति दिलाउल जा रहल अछि। प्रभारी ब्रिगेडियर आरजे शर्मा कहलथि जे पिछला पांच दिन स चलि रहल सेना क बहाली मे पूर्वी आ पश्चिमी चंपारण जिला क 9,888 टा अभ्यर्थी भाग लेलक। चयनित अभ्यर्थी मे 116 टा नक्सल प्रभावित क्षेत्र अछि। पकड़ीदयाल क 19, मधुबन क 21, तेतरिया क 14, ढाका क 08, आदापुर क 11, छौड़ादानों क 06, बगहा क 32, ठकराहां क 12 आ नौतन क 06 शामिल अछि। ओ कहलथि जे नक्सल प्रभावित जिला मे सेना क अगिला ट्रेनिंग सेंटर खोलल जाएत। ओ कहलथि जे एकर बाद बेतिया, जहानाबाद, रोहतास आदि नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे कैम्प लगाउल जाएत। ओ कहलथि जे लड़की क रुझान सेहो आब सेना मे अछि। छठा वेतन आयोग क लागू होबै पर नौजवान क रुझान एहि तरफ काफी बढ़ल अछि। ओ कहलथि जे बहाली कए प्रक्रिया कए सरल बनबाक लेल वेबसाइट बनि रहल अछि, जे बिहार आ झारखंड मे दू माह क अन्दर काज करै लागत।