• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नक्सल इलाक क विकास क लेल 2,237.4 करोड़

July 9, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली। नक्सल इलाक क विकास क लेल केंद्र मदद देबाक घोषणा करि देलक अछि। नक्सली इलाका क विकास क लेल तैयार कैल गेल केंद्र क समेकित कार्य योजना (आईएपी) मे छत्तीसगढ़ क बाद सबस बेसी राशि बिहार क नक्सल प्रभावित जिला कए भेटत। कुल 13,399 करोड़ टका क प्रस्तावित नक्सल पैकेज क एक तिहाई जतय छत्तीसगढ़ मे खर्च होएत आतहि लगभग 18 फीसदी हिस्सा बिहार क खाता मे जाएत। नक्सल प्रभावित राज्य क सरकार क संग विस्तृत चर्चा आ नक्सल इलाका क मुआयना करबाक बाद योजना आयोग एहि जिला मे सड़क, स्वास्थ्य, शिक्षा, पेय जल, जीविका स जुड़ल विकास योजना क लेल विशेष खाका तैयार केलक अछि। एहि संबंध मे आयोग क एकटा बैठक भ चुकल अछि, जखकि दोसर बैठक 12 जुलाई कए अछि। मानल जा रहल अछि जे आहि दिन पैकेज कए अंतिम रूप द देल जाएत। ज्ञात हुए जे एकर दोसर दिन आयोग नक्सल प्रभावित राज्य क मुख्यमंत्री संग बैठक करत, जखकि ओकर बाद 14 जुलाई कए मुख्यमंत्री क संग बैठक मे प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंह केंद्र क पूरा रणनीति पर चर्चा करताह। नक्सल प्रभावित जाहि 35 जिला मे विकास क लेल आईएपी तैयार कैल गेल अछि,ओहि मे बिहार आ झारखंड क 17 जिला पर 30 फीसदी राशि खर्च करबाक योजना अछि। तैयार आंकड़ा क अनुसार बिहार क छहटा जिला कए 2,237.4 करोड़ देबाक प्रस्ताव अछि। एहि मे सबस बेसी 581.86 करोड़ रोहतास जिला कए भेटत, जखन कि औरंगाबाद, जहानाबाद, जमुई, अरवल आ गया मे बाकी टका  खर्च करबाक योजना अछि।

नक्सली स निपटबा लेल बनत कार्ययोजना

पटना । पटना प्रवास क दौरान रेल राज्यमंत्री केएच मुनियप्पा कहला जे नक्सली स निपटबा लेल राज्य सरकार क सहयोग स केन्द्र सरकार कार्य योजना बनाउत।  नक्सली द्वारा रेलवे कए साफ्ट टारगेट बनेबा स रेल परिचालन करेबा मे परेशानी उत्पन्न भ रहल अछि। एकरा लेल केन्द्र सरकार राज्य सरकार क सहयोग स कार्य योजना तैयार करत। ओ कहला जे माओवादी द्वारा ट्रेन कए निशाना बनाएब गंभीर मामला अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाहरी कए टिकट नहि देताह पासवान

Esamaad Epaper Website

तमिलनाडु मे फेर बिहारी मजदूर बनल बंधक

नीतीश जारी केलथि अपन रिपोर्ट कार्ड

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि