मुजफ्फरपुर । सोचू केहन रहत जखन अहांक पडोस क परचून दूकान स ल कए अहांक मोहल्ला क बिजली पोल तक क जानकारी महज एक क्लिक स अहांक सामने होएत। सब किछु ठीक रहल त इ सपना मुजफ्फरपुर क लोक लेल शीघ्र साकर भ सकैत अछि। दिल्ली क कंपनी सीइ इन्फो सिस्टम, पटना क स्पर कंपनी क सहयोग स इ सपना कए साकार करबा मे जुटल अछि। इ दूनू कंपनी शहर क एकटा एहन डिजिटल मैप तैयार करबा मे लागल अछि जाहि मे अहांक छोट छोट जानकारी महज एक क्लीक स ल सकैत छी। एहि सॉफ्टवेर क नाम अछि “जीआईएस”। कम्पनी डिजिटल मैप तैयार करबा लेल नगर निगम क अधिकारी सब स सहयोग मंगलक अछि। कंपनीक एकटा अधिकारी आरके शर्मा क अनुसार एहि डिजिटल मैप मे शहर क मकान स ल कए, पेयजल, बिजली, संचार, सड़क सब किछु शामिल अछि। यानि आब अहां कए शहरक संबंध में जानबाक लेल कतहू जेबाक जरुरत नहि रहत। शहर मे केतबा वार्ड आ पार्क अछि इ त अहां एखनो नेट स जानि सकैत छी, मुदा इ सॉफ्टवेर अहां कए शहर मे केतबा वार्ड, केतबा मोहल्ला कसंग संग कोन सड़क कतए जाइत अछि, पानी क पाइप कतए कतए पहुंचल अछि सबटा बताउत। मोबाइल क टावर आ बिजली क पोलक स्थिति सेहो एहि स पता चलत। एहि डिजिटल मैपिंग कार्य लेल सीइ इन्फो क सीनियर इंजिनियर तनुज कुमार नगर आयुक्त मधु गुप्ता स पिछला सप्ताह भेंट केलथि अछि आ हुनका स एहि लेल मदद मंगलवार अछि। ओना कंपनी शहर मे अपन सर्वे क काज शुरू करि देलक अछि, इ मैप तैयार भेलाक बाद एकरा रजिस्टर्ड कैल जाएत। मैंप अगिला साल तक बनी जाएत से उम्मीद अछि। जानकारक कहब अछि जे एहि नक्शा स इ सेहो पता चलत जे शहर मे मूलभूत सुविधाक केतबा अभाव अछि आ शहर मे सडक आ नाला क निर्माण मे एकबा कोताही बरतल गेल अछि।