• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नदी जोडबा मे आर देरी नीक नहि : सुप्रीम कोर्ट

February 28, 2012
in समाचार
A A

नई दिल्‍ली/पटना। उच्चतम न्यायालय सोमदिन केंद्र सरकार कए नदी कए जोड़बाक महत्वाकांक्षी परियोजना कए समयबद्ध तरीका स लागू करबाक निर्देश देलक अछि। कोर्ट एकर योजना आ क्रियान्वयन लेल एकटा उच्चाधिकार प्राप्त समिति क गठन सेहो केलक अछि। प्रधान न्यायाधीश एसएच कपाडिया क अध्यक्षतावाला तीन न्यायाधीश क पीठ कहलक जे परियोजना मे पहिने भ गेल देरी स एकर लागत मे वृद्धि भ चुकल अछि, ताहि लेल आब आओर देरी नहि कैल जाए। ओ कहला जे केंद्र आओर संबंधित राज्य सरकार कए समयबद्ध तरीका स एकरा प्रभावी रूप स लागू करबा मे भाग लेबाक चाही। पीठ कहलक जे ओ केंद्र सरकार कए नदी जोडबा लेल तत्काल एकटा समिति क गठन क निर्देश देलक। पीठ कहलक जे ओ समिति कए परियोजना लागू करबाक निर्देश दैत अछि।

समिति क गठन
सुप्रीम कोर्ट क पीठ, जाहि मे न्यायमूर्ति स्वतंत्र कुमार आ न्यायमूर्ति एके पटनायक सेहो शामिल छलथि, परियोजना पर विचार करबा लेल आओर एकरा लागू करबा लेल अनेक सरकारी विभाग, मंत्रालय क प्रतिनिधि, विशेषज्ञ आ सामाजिक कार्यकर्ता क उच्चाधिकार प्राप्त समिति क नियुक्ति केलक अछि। समिति मे केंद्रीय जल संसाधन मंत्री, एहि मंत्रालय क सचिव, पर्यावरण आओर वन मंत्रालय क सचिव आ जल संसाधन मंत्रालय, वित्त मंत्रालय, योजना आयोग आओर पर्यावरण मंत्रालय द्वारा नियुक्त चारिटा विशेषज्ञ सदस्य शामिल हेताह। समिति मे राज्य सरकार क प्रतिनिधि, दो सामाजिक कार्यकर्ता आ मामला मे अदालत क सहायता करि रहल वरिष्ठ वकील रंजीत कुमार सेहो शामिल हेताह।

बिहार बढेलक डेग
दोसर दिस, बिहार एहन पहिल राज्य अछि जे एहि स्थिति स निपटबा लेल अपन सीमा क नदी कए जोड़बा क काज शुरू करि देलक अछि। योजना क तहत पैघ आ मध्‍यम स्‍तर क नदी कए छोट नदी स जोडल जेबाक फैसला लेल गेल अछि। बिहार मे एहन कुल आठटा परियोजा तैयार कैल गेल अछि। पांचटा योजना बाढ़ स बचाव लेल बनल अछि जाहि मे एक टा क सबटा प्रक्रिया पूरा करि लेल गेल अछि। दूटा स सिंचाई व्यवस्था कए सुदृढ़ कैल जा सकत। एकटा योजना बिजली उत्पादन क लेल अछि।
वित्त आयोग स राशि क स्वीकृति भेटलाक बाद राज्य सरकार वर्ष 2012- 13 क बजट मे बूढ़ी गंडक-नोन-वाया-गांगा कए जोड़बाक योजना कए शामिल करि लेलक अछि। शेष सात योजना मे स बेसी पर खर्चे क आकलन सेहो करि लेल गेल अछि। ओकर संभाव्यता पर विचार करि डीपीआर बनेबा क जिम्मेदारी राष्ट्रीय जल विकास निगम कए सौंपल गेल अदि। डीपीआर तैयार भेला पर जल्द स जल्‍द ओकरा राष्ट्रीय जल निगम (सीडब्लयूसी) लग पढाउल जाएत।
जल संसाधन विभाग क एकटा अधिकारी क कहब अछि जे राज्य सरकार एहि साल बजट मे जाहि योजना कए शामिल केलक अछि ओकर पूरा भेला पर बूढ़ी गंडक क कहर स मुक्ति भेट जाएत आ गंगा क उफन सेहो कम होएत। योजना क अनुसार राज्य क पैघ क्षेत्र मे लगभग सब साल गंडक क 300 क्यूमेक अतिरिक्त जल गंगा नदी मे देल जा सकत। 407 करोड़ क एहि योजना लेल तेरहम वित्त आयोग 333 करोड़ क राशि आवंटित केलक अछि। आजादी क बाद कए पहिल बेर वित्त आयोग एहि प्रक्षेत्र मे एतबा धनराशि मुहैया करा रहल अछि।
बाढ़ स मुक्ति लेल योजना –
कोहरा-चन्द्रावत लिंक (1168 करोड़)
बागमती-बूढ़ी गंडक लिंक (22125 करोड़)
कोसी-गंगा लिंक (88 करोड़)
कोसी-अधवारा-बागमती लिंक (अनुमान नहीं)

सूखाड स मुक्ति लेल योजना
कोसी-मेची लिंक (4041 करोड़)
सकरी – नाटा लिंक (540 करोड़)

बिजली लेल योजना
धारजैया जलाशय-फुलवरिया जलाशय लिंक (272 करोड़)

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: नदीबिहारसुप्रीम कोर्ट

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

होएत विरासत क संरक्षण : वीसी

Esamaad Epaper Website

बिहार मे छहटा घोटालेबाज अफसर बर्खास्त

Esamaad Epaper Website

एकटा आर भ्रष्‍टाचारी क संपत्ति जब्त

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि