• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नरेगा लेल लेबर बजट मे संशोधन

September 13, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

nregaपटना । सरकार क लेबर बजट संशोधित हुए जा रहल अछि आ गाम मे नरेगा (राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार अधिनियम) क दायरा सेहो बढ़ेबाक तैयारी अछि। ओना एखन इ मामला दिल्ली दरबार मे अछि आ मांग दस हजार करोड़ क अछि। मौजूदा प्रावधान 3200 करोड़ क अछि। सुनए मे इ हो आयल अछि जे इ भले पैघ रकम लागे, मुदा राजस्थान स कम अछि। केन्द्र राजस्थान कए 6000 करोड़ देलक अछि। एहि विसंगति क दोसर पहलू इ अछि जे लेबर बजट क मंजूर राशि सेहो दिल्ली मे अटकल छल, मुदा राज्य सरकार क पहल पर एकरा जारी करबाक निर्देश देल गेल अछि।
नरेगा कए मजदूरी क आइना मे देखी त एहि साल 3200 करोड़ क लेबर बजट स तीन करोड़ 20 लाख श्रम दिवस क सृजन होयत आ सौ दिन क अधिकतम सीमा क आधार पर एहि रकम स कम स कम तीन लाख लोक कए रोजगार भेटत । ओना, राज्य मे 1.12 करोड़ जॉब कार्ड बनाउल जा चुकल अछि आ एहिमे स 61 लाख लोक क बैंक मे खाता सेहो खुलि चुकल अछि। ग्रामीण विकास मंत्री भगवान सिंह कुशवाहा कहैत छथि जे आबै वाला दू माह मे जॉबकार्ड आ बैंक मे खाता खोलैय वाला क संख्या आओर बढ़त। दिल्ली इ गप मानि लेलक आ लेबर बजट बढ़ा देलक त राज्य क तस्वीर बदलि जाइत।
बढ़त दायरा
राज्य क 26 जिला सूखा क चपेट मे अछि। गाम मे कृषि क्षेत्र क अकुशल मजदूर क बीच काज क मांग बढि़ रहल अछि। एकरा देखैत राज्य सरकार नरेगा कए नव कलेवर मे ढालबाक योजना बनौलक अछि।
ग्रामीण स्वच्छता
पांच सौ क आबादी कए आधार मानि सौ दिन क लेल एक व्यक्ति क नियुक्ति बतौर सफाईकर्मी होइत। चक्रानुक्रम क आधार पर साल भरि मे एहि कार्यक्रम स 3-4 परिवार कए जोड़ल जायत। सरकार क तर्क अछि जे एहि स गाम मे साफ-सफाई रहत आ संक्रामक बीमारी क रोकथाम मे मदद भेटत । योजना कए जमीन पर उतारबा लेल बस बाल्टी, झाड़ू, गैमक्सीन आ ब्लीचिंग पाउडर क दरकार अछि। विद्यालय मे सेहो एहन व्यवस्था कैल जा सकैत अछि आ 100 बच्चा पर एकटन सफाईकर्मी नियुक्त कैल जा सकैत छैक।
साक्षरता
राज्य मे निरक्षर क संख्या 1.7 करोड़ आंकल गेल अछि। सरकार एहि पैघ आबादी कए साक्षर बनेबा लेल नरेगा कए माध्यम बनेबाक लेल केन्द्र स अनुमति मांगलक अछि । आकलन बतबैत अछि जे एहि पैघ आबादी कए साक्षर बनेबा लेल 17 लाख पढ़ल-लिखल नौजवान कए रोजगार भेट सकैत अछि आ 1734 करोड़ क राशि क व्यय स बिहार पूर्ण साक्षर भ सकैत अछि। एकरा लेल बस स्लेट, पेंसिल आ किछु किताब क बतौर मटेरियल कंपोनेंट दरकार अछि।
श्मशान
श्मशान क सेहो निर्माण नरेगा स करेबाक प्रस्ताव अछि। सरकार क कहब छैक जे एहि स पर्यावरण प्रदूषण रोकबा मे मदद भेटि सकैत अछि।
खेल क मैदान
नरेगा स गांव क खेल मैदान मे सांस्कृतिक कार्यक्रम क लेल प्लेटफार्म क निर्माण कराउल जाइत। एहि योजना क अलावा सरकार आंगनबाड़ी केन्द्र, ग्रामीण हाट आदि कए सेहो नरेगा स जोड़बाक योजना बना रखने अछि। अगर दिल्ली मेहरबान भेल त सूखा वाला जिला क चेहरा त बदलबे करत, बिहार एक बेर फेर देश कए नव बाट देखबे मे सफल रहत।

Tags: Bihardelhimaithilimithilanareganitishpatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

चार्टेड विमान रनवे स फिसलल, नहि शुरू भेल सेवा

एम्स कैंपस सेहो अछि जातिवाद क शिकंजा मे

मिरेकल बेबी : मौत स हारल जिनगी क जंग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि